Saturday, October 30, 2010

दोलखाको झ्याकु गाविसमे बिरहनीके कटलास एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।
झ्याकु गाविस ८ के ८८ वर्षक मानकुमारी खड्काके बिरहनीके कटलास मृत्यु भेल अछि ।
अहिना, रौतहटके समनपुर गाविस ७ हरैयामे माटिके धस्नामे परि स्थानीय सुन्दि्रका कुमारी यादवके मृत्यु भेल पुलिस जनऔलक अछि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
नारायणहिटी दरबार सङ्ग्राहलयमे रहल परराष्ट्र मन्त्रालयके आइस हिंदरबारमे घुसकेबाक काज भरहल अछि ।
सिंहदरबार भितर रहल अर्थमन्त्रालयस सटले नयाँ भवनमे परराष्ट्रमन्त्रालय रहत जनाओलगेल अछि । आइ मन्त्रालयके २ टा शाखाके मात्र घुसकाओल जाएत । मन्त्रालय घुसकाब किछ महिना लागत बताओलगेल अछि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
कञ्चनपुर सदरमुकाम महेन्द्रनगरमे सशस्त्र पुलिसक जवानसब नेपाल पुलिसक दु जवानके मरयजका पिटपाट केलक अछि ।

बितलराती सशस्त्रके जवानसब स्थानिय मदनचोकमे जिल्ला प्रहरी कार्यालय कञ्चनपुरके प्रहरी उपरीक्षक पवनप्रसाद खरेलके चालक दिपेन्द्र भण्डारी आ अछाममे दरबन्दी भ विदामे आएल वीरेन्द्र बोहराके मरयजका पिटपाट केलक अछि ।।
पिटाइस घाइल भेल दुनु गोटेके कैलालीके अत्तरियास्थित सेवा नर्सिङ्ग होममे इलाज भरहल अछि । भण्डारीके अवस्था गम्भिर अछि त बोहराके अवस्था सामान्य रहल अस्पलाल जनऔलक अछि ।
एम्हर, पुलिस रातीए सशस्त्र पुलिसक प्रहरी उपरीक्षक मानबहादुर रम्जाली मगरके घटनाके बारेमे जानकारी करैबतो सशस्त्र पुलिस घटनामे अपन जवानके संलग्नता नै रहल जनऔलक अछि ।।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
नेपाल पेट्रोलियम ढुवानी व्यवसायी महासङ्घ आइस अनिश्चितकालके लेल इन्धनके आयात आ ढुवानी ठप्प केने अछि ।
महासङ्घ आगु घुसकऔने माँगप्रति नेपाल आयल निगम आ आपूर्ती मन्त्रालय वार्ताके लेल गम्भीरता नै देखऔने कहैत ढुवानी व्यवसायी आईस भारतके बिहारस्थित रक्सौल आ बाराके अमलेखगन्जस्थित डिप्पोस पेट्रोल, मटियातेल, डिजल, हवाइ इन्धन सहितक ढुवानी आ लोड अनलोड ठप्प करबाक घोषणा केने अछि ।
भारतके बरौनीस बाराके अमलेखगन्जधरि पर्याप्त मात्रामे इन्धन ढुवानी करय पाबयके माँग करैत कात्तिक ७ गतेस महासङ्घ चरणबद्ध आन्दोलन करैत आबि रहल अछि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
भारतक नयाँदिल्लीमे लाखौं रकम लुटपाट केने आरोपमे दु नेपाली गिरफ्तार भेल अछि । गुरुगाउँस्थित एक कार्यालयमे कामदारके रुपमे कार्यरत खड्कबहादुर आ प्रकाशबहादुर गिरफ्तार भेल अछि ।
ओसब खानामे बेहोस् होबयबला दबाइ मिलाक विभिन्न व्यक्तिस १२ लाख ७७ हजार भारतीय रुपैयाँ लुटने पुलिसक दावा अछि । गिरफ्तार भेल नेपालीके सँगस ३ लाख भारतीय रुपैयाँ बरामद भेल बताओलगेल अछि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
संविधानक विवादित विषयके निश्कर्षमे पहुँचाबय बनल उच्चस्तरीय कार्यदलक बैसार आई सेहो बैसय जारहल अछि । दुपहर १२ बजे सिंहदरबारमे रहल राज्यव्यवस्था समितिके कार्यालयमे बैसय लागल बैसारमे न्यायप्रणालीकै विषयमे केन्द्रीत होयबाक कार्यदलक सदस्य सुनिल प्रजापति जानकारी देलनि ।
कार्यदलक कऔल्हका बैसारमे न्यायिक नियुक्तिके लेल अलग्गै संयन्त्र गठन करके सैद्धान्तिक सहमति भेल छल । संयन्त्र गठन करबाक सहमति होइतो ओकर अध्यक्षता व्यवस्थापिका संसदके अध्यक्ष या प्रधानमन्त्रीमेस के करत विषयमे मत एकता होबय नै सकल आ आजुक बैसारमे निश्कर्ष लगाओल जायत प्रजापति जानकारी देलनि ।
न्यायपालिकाके स्वतन्त्रके विषयमे कडा विवाद रहितो कऔल्हका बैसारमे एकीकृत माओवादी लचकता देखऔने बताओल गेल अछि । किछ दिनस उच्चस्तरीय कार्यदलके बैसार नित दिन बैसैत आबिरहल अछि । कार्यदलके म्याद १८ गतेधरिके लेल तोकलगेल अछि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।
झापाके चारआलीस्थित इन्द्रध्वज गणक एक सिपाहीके बितलराति अनारमणि-३ मे सवारी दुर्घटनामे परि मृत्यु भेल अछि ।
दाङ जिल्लाके तुलसीपुर निबासि इन्द्रजित घर्तीमगरके मृत्यु भेल इलाका प्रहरी कार्यालय जनऔलक अछि ।
ओ मोटरसाइकलमे जारहल अवस्थामे मोटरसाइकल सडकके रेलिङमे ठोकराक गम्भीर अवस्थामे घाइल भेलाबाद ईलाजक लेल भद्रपुरस्थित मेची अञ्चल अस्पतालमे लजाति काल बाटेमे मृत्यु भेल पुलिस जनऔलक अछि ।
।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन