Thursday, November 04, 2010

प्ा्रधानमन्त्री चयनक लेल ब्यबस्थापिका सँसदमे आइ फेर १६ हम् बेर निरर्थक चुनाव होबय जारहल अछि ।

आइ फेरस निर्वाचनके लेल बेरियाक ३ बजे ब्यबस्थापिका सँसदके बैसार बजाओल गेल अछि ।

प्रधानमन्त्री निर्वाचनमे नेपाली काँग्रेसक नेता राम चन्द्र पौडेल असगर एक मात्र उम्मेदबार छथि । दलसब बिच सहमति होबय नै सकलास आजुक निर्वाचनस सेहो देशके नयाँ प्रधानमन्त्री नै भेटबाक निश्चित अछि । अगिला निर्वाचनके मिति कार्यब्यब्स्था परामर्श समितिके बैसार तय करत ।

प्रधानमन्त्री माधव कुमार नेपाल बितल आखार १६ गते पदस राजिनामा देलाबाद साउन पाँच गते एम्हर नयाँ प्रधानमन्त्री चयनक लेल निर्वाचन होइत आबि रहल अछि ।

प्रधानमन्त्री चयन होबय नै सकलाबाद बार्षिक बजेट आबय नै सकल अछि त सँबिधान निर्माण काज सेहो प्रभाबित भेल अछि ।

ुुुुुुुु

हिन्दुसबहक दोसर महान पावनि शुकराती आइस शुरु भेल अछि ।

कातिक कृष्ण त्रयोदशीस कातिक शुक्ल द्धितियाधरि पाँच दिनधरि मनाओल जायबला शुकरातीके यमपन्चक सेहो कहल जाइत अछि ।

यमपन्चक पहिल दिन आइ कौवाकॆ पुजा कायल जाति अछि । तहिना दोसर दिन काल्हि कुकुरके पुजा कायल जाएत त शनिदिन गाइके पुजा करबाक प्रचलन रहल अछि । तहिना वायह राति घर घरमे धनक देबी माता लक्ष्मीके सेहो पुजन कायल जाएत । ओहिदिन रातिभरि दिबौरी बारि फटाका फोरैत हर्षेाउल्लासके सँग लक्ष्मी माताके पुजन क दियाबाती मनाओल जाएत । अहिना रबि दिन भाइ बहिनक पावनि भरदुतिया मनाओल जाएत ।

ुुुु॥

चितवनके चण्डी भन्ज्याङ गाबिस ९ मे आइ भिन्सर भेल टि्रपर दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु भेल अछि त एक गोटे घाइल भेल अछि ।

नारायणगढस मुँगलिनदिस जारहल ग १ ख १५४५ नम्बरक टि्रपर सडकस १ सय फिट निचा खस्लास चालक कास्की बेगनास ८ के ४९ बर्षक आश बहादुर लामाके मृत्यु भेल अछि । दुर्घटनामे गँभीर घाइल भेल लाामाके इलाजक लेल चितवन लजाइत काल बाटेमे मृत्यु भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय चितवन जनौलक अछि ।

घाइल होबयबलामे टि्रपरके सहचालक मकवानपुर सुपारीटार ७ निवासी १९ बर्षक राज कुमार लामा रहल अछि । घाइल लामाके इलाज चितवन मेडिकल कलेजमे भरहल पुलिस जनौलक अछि ।

ुुुुुुुुु।

न्ोपालगँजक एक डिएसपिके नामस काठमाण्डौमे कार्यरत नेपाली सेनाके क्याप्टेनके नाममे पठाओल गेल प्रतिबन्धित फे_िन्सडिल एकटा फलफुलके बाकसमे राखल अबस्थामे बरामद भेल अछि ।

नेपालगँजस काठमाण्डौ जारहल ना ४ ख १०७३ नम्बरक बसमे बाकस भितर नुकाक लजारहल इ दबाइ धादिङके खानीखोलास स्थानिय बासी पुलिस आ वाइसिएल कार्यकर्तासब बरामद केलक अछि ।

पुलिसक अनुसार फे_िन्सडिलके बाकस बाहर पठाबयबला नेपालगँजस डिएसपि बिनोद घिमिरे आ पाबयला नेपाली सेनाके क्याप्टेन रोहित साह लिखल पाओल गेल अछि ।

ुुुुु॥

अपन जिल्ला नेताके आक्रमण कएनिहार उपर कारबाही नै भेल बिरोधमे नेपाल बिद्यार्थी सँघ रुपेन्दही आइ ओइठामक सम्पुर्ण शिक्षण सँस्थासब बन्द केलक अछि ।

बन्द आह्ावानक कारण रुपेन्देही जिल्लाक शिक्षण सँस्थामे पठन पाठन अबरुद्ध भेल अछि । नेबिसँघ रुपेन्देहीके कोषाध्यक्ष प्रसन्न कोइराला उपर रबिके राति दबिया प्रहार क गँभीर घाइल बनाबयबला उपर किटानी जाहेरी दैतो कारबाही नै भेल नेबिसँघ रुपेन्देही जनौलक अछि ।

कारबाही नै भेलाके कारण बन्द करय बाध्य भेल अध्यक्ष प्रकाश राणा बतौलनि अछि ।

ुुुुु॥

ख्ोल समाचार

भारत आ न्युजिल्याण्ड बिचक ३ टेस्ट म्याच अन्तर्गत सिरिजके पहिल टैस्ट म्याच आइस अहमदाबादमे शुरु भेल अछि । आजुक खेलमे भारत टस जित क ब्याटिङ करहल अछि ।

आइ भरहल खेलमे समाचार तयार करय धरिके ताजा स्थितिमे भारत अखन १४ ओभर खेलैत १ बिकेटक क्षतिमे ६६ रन बनाक खेल रहल अछि ।

अखन कि्रजपर राहुल द्रबिड ४ आ बिरेन्द्र सहभाग ४० रन बनाक खेल रहल अछि त गौतम गँभीर २१ रन बनाक आउट भेल छथि ।

ुुुुुु॥


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन