Saturday, November 20, 2010

अगहन ४ गते

अगहन ४ गते ।  भुमीगत संगठनके नाममे अपराधिक कृयाकलापमे संलग्न ५ गोटेके आइ सुनसरी प्रहरी सार्वजनिक करहल अछि । बितलराती पक्राउ कायल गेल बतबैत प्रहरी अखने किछ कालमे ओकरासबके सार्वजनिक करहल अछि । प्रहरीे मधेसी मुक्ति टाइगस्रके नाममे अपराधिक कृयाकलाप करहल भगत िसंह कहायबला सन्तोष मेहता दोसर्र सन्तोष मेहता बद्री मेहता कैलु कहायबला भगत नारायण मेहता आ सुरेश मेहताके सार्वजनिक करहल अछि । प्रहरी बितलराती पक्राउ केने बतैबतो ओकरासबके चारिदिन आगु पक्राउ कायल गेल प्रहरी स्रोत जनौलक अछि । ओकरासबहक सँगस पक्राउ कायल गेल एक थान एसएमजी कटुवा पेस्तोल २ थान बन्दुक एक थान सहित सार्वजनिक करहल अछि । प्रहरी बितलराती सुनसरीके हरिपुरस ओकरासबके पक्राउ केने छल । सुनसरीके प्रहरी उपरिक्षक राजेन्द्रमान श्रेष्ठ पक्राउ परल पाँच गोटेमेस आइ ४ गोटेके मात्र सार्वजनिक करबाक जानकारी देलनि अछि । हुनक अनुसार एक गोटेके अनुसन्धानक क्रम चलिरहल अछि । सार्वजनिक कायल जायबलामेस सन्तोष मेहता नेपाल टेलिकम विराटनगरके कर्मचारी शेखर पोखरेलके अपहरणमे संलग्नता रहल पुष्टि भेल अछि त कांग्रेस नेता डा शेखर कोइरालाके परिवारजन किरण अर्यालके हत्यामे सेहो ओकरसबहक संलग्नता रहल प्रहरी अनुसन्धानस पता चलल प्रहरी स्रोत जनौलक अछि । …



 नेपाली काँग्रेस केन्द्रिय कार्यसमितिके बैसार आइ सेहो बैसरहल अछि ।

पार्टी केन्द्रिय कार्यालय सानेपामे बेरियाके २ बजे बैसय लागल बैसारमे आइ सेहो संसोधीत बिधानके विषयमे परामर्श हाएत ।

काल्हि बैसल बैसारस सँसोधित बिधानके अन्तिम रुप देवाक कहल गेल होइतो परामर्श समाप्त नै भेल कागे्रस जनौलक अछि । तहिना राष्ट्रपतिके कदम नागरिक सर्वाेच्चता आ संसदके गतिरोध अन्त्य करबाके विषयमे आइ प्रमुख दलक शिर्ष नेतासब परामर्श करय लागल अछि ।

आइ बेरियामे बैसबला शिर्ष नेतासबहक बैसारमे ३ सदस्यीय कार्यदल सहमतिके प्रस्ताव पेश करत …………॥



 जंगली हात्तिके आक्रमणस मोरङके इन्द्रपुरमे बितलराती एक गोटेके मृत्यु भेल अछि । जंगलस आएल हात्तिके आक्रमणस इन्द्रपुरके ६० बर्षक जानुका गिरीके मृत्यु भेल अछि । घरके टाट तोरिक जंगली हात्ति आक्रमण केने क्षेत्रिय प्रहरी कार्यालय बिराटनगरे जनौलक अछि । अहिना सप्तरीमे ठण्डीस वेमार परल एक गोटेके अस्पताल नै लजा झारफुक करौलास मृत्यु भेल अछि । …



सिरहा चोहर्वा सडकखण्डमे आइ भिन्सर भेल सडक दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु भेल अछि । रामनगर मिर्चैयाके कटारी चौक रहनियार अरुण साहके मृत्यु भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय सिरहा जनौलक अछि । सिरहास चोहर्वा दिस जारहल स २ प ९७९ नम्बरके मोटरसाईकलके विपरित दिसस आबिरहल ना ३ ख ७८८५ नम्बरके ट्रक भलुवाही चौक लग ठक्कर देलास मोटरसाईकल चालक साहके घटनास्थलेमे मृत्यु भेल प्रहरी बतौलक अछि । ।



 चितवनस कालिह बेरियामे अपहरणमे परल चितवन भरतपुर नगरपालिकाके ब्यापारी धनबहादुर के।सीके बितलराति प्रहरी अपहरण मुक्त करौलक अछि ।

अपहरणगरी नवलपरासीके कावासोति क्षेत्रके जंगलमे केसीके नुकाक रखने आसंकामे प्रहरीके खोजतलास करबाक क्रममे केसीके सकुशल अपहरण मुक्त कराओल गेल अछि । अपहरणमे संलग्न मकवानपुरके देबि बहादुर थापा देबेन्द्रके प्रहरी पक्राउ केने अछि । पक्राउ परल थापा प्रहरी समक्ष अपन नाम रमेश थापा बतौने जिल्ला प्रहरी कार्यालय नवलपरासीक प्रहरी निरिक्षक कुबेर चन्द जानकारी देलनि ।



 त्रिभुवन विश्वविद्यालय दश गुणा बढौने शूल्कवृद्धिके निर्णय फिर्ता लेवाक लेल देने ७२ घण्टे अल्टिमेटम आइ साँझ समाप्त भरहल अछि । अल्टिमेटम समाप्त होवयस आगु बेरियाके २ बजेबाद त्रिभुवन विश्वविद्यालय कीर्तिपुरमे विद्यार्थी सँगठनबीच वार्ता होयबाक कार्यक्रम रहल नेविसँघक महामन्त्री मनोजमणि आचार्य जानकारी देलनि । आइ साँमुधरि कोनो निर्णय नै हाएत त साँझेमे बैसार क काल्हिएस आन्दोलनके कार्यक्रम घोषणा करबाक विद्यार्थी नेतासब बतौलक अछि । विद्यार्थी अभिभावकसबसँग विश्वविद्यालय कोनो समन्वय नै क शूल्क बढौने विरोधमे अहिस आगु विद्यार्थी सँगठन ज्ञापन पत्र बुझाक काल्हि विश्वविद्यालयके प्रतिनिधिसबसँग काठमाडौमे सुनुवाई कार्यक्रम सेहो केने छल । आइ सेहो भिन्सरेस काठमाडौके विभिन्न क्याम्पससब आगु विद्यार्थीसब टायर बारिक नारावाजी करैत सडक चौेकमे अवरोध करय लागल अछि । ।



 राज्यपुर्नसंरचना तथा राज्यशक्ति बाँटफाँटके विषयमे टुँगो लगावय नेपाली कांग्रेस केन्द्रीय कार्यसमितिके वैसार आज बैसय जारहल अछि । बेरियाके २ बजे पार्टी कार्यालय सानेपामा बैसय लागल बैसारस संविधानसभाके समितिके पार्टीक दिसस बुझावय परबाक राज्य पुर्नसंरचनाके खाकाके निष्कर्षमे पहुँचेबाक कार्यक्रम अछि । बैसारमे महाधिवेशनके तयारी तथा समसामयिक राजनीतिक विषयमे सेहो परामर्श हाएत ।



 नयाँ प्रधानन्यायाधीशके चयनके विषयमे परामर्श करय सँवैधानिक परिषदके बैसार आइ बैसय जारहल अछि । बैसार बेरियाके २ बजे बजाओल गेल अछि । एम्हर २ बजे शीर्ष नेतासबहक बैसारमे सेहो प्रधानमन्त्रीके सहभागिता रहलास बैसार बैसबाक या नै बैसबाक अन्यौल रहल कानुनमन्त्री प्रेमबहादुर सिँह जानकारी देलनि । वर्तमान प्रधानन्यायाधीश मीनबहादुर रायमाझी उमेर हदके कारण अवकाश लेवय लगलास नयाँ प्रधानन्यायाधीशके खोजी शुरु भेल अछि । …



एकीकृत नेकपा माओवादीके अवरोधक कारण लगातार अवरुद्ध होइत आएल व्यवस्थापिका सँसदके बैसार आइ सेहो बैसय जारहल अछि । काल्हि सेहो माओवादी नारावाजी सहित रोष्टम घेराऊ केलाबाद बैसार आइ बेरिया ३ बजे धरिके लेल स्थगित कायल गेल छल । माओवादी उठौने नागरिक सर्वोच्चताके मागमे राजनीतिक सहमति होवय नै सकलास सँसदस बजेट पारित होवय नै सकल अछि । ॥





 राजनीतिक गतिरोधके अन्त्य करबाक विषयमे प्रमुख दलक शीर्ष नेतासबबीच आइ सेहो परामर्श जारी रहत । बेरियाके २ बजे शीर्ष नेतासबहक बैसार बैसबाक कार्यक्रम अछि । ओहिस आगु भिन्सर ९ बजेस सिँहदरबारमे बैसल तीन दलीय कार्यदलके बैसारस सँकल्प प्रस्तावमे सहमतिके खाका तयार कायल जाएत । अहिबीच अखन एकीकृत नेकपा माओवादीक नेतासब सहमतिके लेल कतेक धरि लचकता अपनाओल जाए विषयमे परामर्शक लेल जुटल अछि । कार्यदलके सदस्य देव गुरुङके सहयोगीके अनुसार अखन काठमाडौके नयाँबजारस्थित पार्टी अध्यक्ष प्रचण्डके निवास नयाँ बजारमे परामर्श भरहल अछि । ।



 नेपालके शान्ति प्रकि्रयामे खटल सँयुक्त राष्टसँघीय राजनीतिक मिसन अनमिन प्रमुख करिन ल्यानग्रेन आ प्रधानमन्त्रीसँग अखन भेटवार्ता भरहल अछि । प्रधानमन्त्री माधवकुमार नेपालसँगके भेटघाटके लेल ल्यानग्रेन अखन प्रधानमन्त्री निवास वालुवाटारमे छथि । भेटमे नेपालक शान्ति प्रकि्रया अनमिनके समाप्त भरहल म्याद तथा माओवादीके अयोग्य लडाकु पुर्नस्थापन सहितक विषयमे परामर्श होयबाक प्रधानमन्त्रीक प्रेस सल्लाहकार विष्णु रिजाल जानकारी देलनि अछि । ॥



 नेपालक चर्चित नायक राजेश हमाल आ हास्य ब्यङय मह जोडी आइ जनकपुर आबिरहल छथि । समाजमे हत्या हिँसा अन्त्य एवम् शान्तिके कामनाक लेल आइ भिन्सर साढे ११ बजेस जनकपुरके तिरहुतिया गाछीमे होवय लागल एक कार्यक्रमक लेल ओसब आबिरहल छथि । कार्यक्रममे बिभिन्न राजनितिक बिशलेषक तथा यु एन ओके प्रतिनिधि सेहो सहभागी रहता जनाओल गेल अछि । सँगही रामानन्द युवा क्लब जनकपुर नाटक आ साँस्कृतिक कार्यक्रम सेहो प्रस्तुत करत । ।



 भारतक अयोध्यास रामजानकी बिबाह महोत्सवके लेल चलल बरियाती काल्हि साँमु जनकपुर पहुँचल अछि । नेपालक भुमिमे प्रवेश करिते बरियातीसबके बिभिन्न ठाममे बिच बिचमे स्थानिय बासी बिभिन्न मन्दिरक महन्थ तथा स्थानिय प्रशासनसब भव्य स्वागत केने छल । बरियातीके जनकपुरक मारवाडी सेवा समितिमे बिश्रामक ब्यबस्था कायल गेल अछि । एम्हर भगवान रामके तिलकोत्सव आइ बेरियामे जनकपुरक राम मन्दिरमे होवय जा रहल अछि । तिल्कोत्सव समारोहमे प्रमुख अतिथिके हैसियतस सहभागी होवय उपराष्ट्रपति परमानन्द मुा काल्हिए जनकपुर आबि चुकल छथि । ॥



व्यवस्थापिक-संसदके कल्हुका बैसार एकीकृत नेकपा माओवादी के अवरोधक कारण नियमित कार्यसूचीमे प्रवेश नइ क स्थगित भेल अछि ।

निर्धारित समय स करिब तीन घन्टा देरी स सुरु भेल बैसारमे एकिकृत नेकपा माओवादी के सभासद्सब नाराबाजी क सदन अवरुद्ध केने छल । काल्हिके कार्यसूचीमे राष्ट्रपतिके कार्यालय आ प्रधानमन्त्रीके कार्यालय स प्राप्त पत्र पढि क सनेबाक कार्यक्रम छल । तहिना विनियोजन विधेयकअन्तर्गत सङ्घीय मामिला संविधानसभा संसदीय व्यवस्था तथा संस्कृति मन्त्रालय आ सूचना तथा साचार मन्त्रालयक विविध विषयमे परामर्श करबाक कार्यक्रम निर्धारण कएलगेल छल । निरन्तर नाराबाजी भेलाक बाद सभामुख सुवास नेम्वाङ बैसार स्थगित भेल घोषणा केने छलथि । स्थगित बैसार आइ ३बजे फेर स बैसत ।



चितवन जिल्लाके नेपालक नया राजधानीके रुपमे स्थापित कर चितवनबासी अभियान सुरु केलक अछि । अभियानके लेल राजधानी स्थापना पहल समिति मार्फत भेल हरेक गतिबिधी सबके तथ्यांकके अभिलेखिकरण क सुचना केन्द्र मार्फत सार्बजनिक करबाक समितिक अनिल शर्मा बिरहि जानकारी देलनि । काल्हि भरतपुरमे सम्पन्न बैसार स चितवनके राजधानी बनाब बिषयके प्रथमिकता देबाक निर्णय कएलगेल अछि । बैसार स राजधानी निर्माणके लेल भेल सब अभियान परामर्श अन्तरकि्रया भेटघाट सहितक गतिबिधि सबके तथ्यांकके रुपमे राख सम्बन्धित सब पक्षके आग्रह कएलगेल अछि । ॥



सहमतिक लेल तीन दलीय कार्यदल बनेबाक निर्णय करैत प्रमुख तीन दलक शीर्षस्थ नेतासबके बैसार काल्हि सम्पनन भेल । प्रधानमन्त्रीके आह्वानमे काल्हि भेल तीन दलक शीर्षस्थ नेतासबके बैसार स कार्यदल बनाक सहमतिके खाका बनेबाक निष्कर्ष निकाललगेल अछि । कार्यदलमे माओवादीक देव गुरुङ एमालेक युवराज ज्ञवाली आ काँग्रेसक अर्जुन नरसिँह केसी छथि । बैसारमे प्रधानमन्त्री माधवकुमार नेपाल आ एमाले अध्यक्ष झलनाथ खनाल काँग्रेसक रामचन्द्र पौडेल आ गोपालमान श्रेष्ठ माओवादीक डा।बाबुराम भट्टराई आ नारायणकाजी श्रेष्ठ प्रकाश सहितक सहभागि छलथि । सहमतिक लेल सँभावना बढैतगेल कहैत दलसब आइये परामर्श करहल अछि । संसद सुचारु करबाक आ राजनीतिक गतिरोधके अन्त्य कर विषयमे प्रमुख दलके नेतासब बेरबेर द्धिपक्षीय आ त्रिपक्षीय छलफलमे जुटलाक बादो कोनो ठोस सहमति नइ भसकल अछि…



अर्थविद्सब व्यवस्थापिका सँसद स ढिलाई भेल बजेट पारित होब नइ सकल त देश असफल होबाक बतौलनि । रिपोर्टस्र क्लब काठमाण्डुमे अर्थविद् डा।विश्वम्भर प्याकुरेल बजेट पारित नइ भेला स देश असफल बनला स आर्थिक क्षेत्रके अलावा सामाजिक क्षेत्रमे सेहो नकारात्मक प्रभाव पर नइ देबाक लेल दलसबके आग्रह केलनि । नेपाल चेम्बर अफ कमर्शक अध्यक्ष सुरेन्द्रवीर मालाकार आर्थिक क्षेत्र धराशायी होबाक अवस्था आएल कहैत दलसबके मतभेद छोरि बजेट पारित कर केन्द्रित होबाक बतौलनि । अर्थविद् डा।चिराजीवी नेपाल बजेटमे राजनीति नइ कर आग्रह करैत माओवादी जिम्मेवार राजनीतिक दलक रुपमे प्रस्तुत क बजेट पारित करबाक रास्ता छोर बतोलनि । साक्षात्कारमे अर्थ मन्त्रालयक सल्लाहकार केशव आचार्य माओवादी सहितक सहमतिमे काल्हि धरि बजेट पारित होबाक बतोलनि । तहिना एकीकृत नेकपा माओवादीक केन्द्रीय सदस्य एवं अर्थविद डा।डिल्लीराज खनाल बजेट पारित कर नइ द समस्या आनके मनसाय नइ रहल बतोैल्ानि । नेपाली कांग्रेसक नेता एवं अर्थविद् डा।नारायण खड्का अइ सप्ताहमे बजेट पारित होबाक कहलनि ॥



त्रिभुवन विश्वविद्यालय बढेने शुल्कके विषयमे विद्यार्थी सँगठनसब विद्यार्थी अभिभावक सँग सल्लाह नइ क विश्वविद्यालय शूल्क बढौने कहैत तत्काल फिर्ता नइ लेलगेल त आन्दोलनमे जएबाक चेतावनि देलक अछि । त्रिविक प्रतिनिधि आ विद्यार्थी संगठन बीच काल्हि भेल सुनुवाइमे १३ विद्यार्थी संगठनके प्रतिनिधि एहन बात बतौलक अछि । परामर्शमे सहभागि विद्यार्थी नेतासब विद्यार्थी अभिभावक सँग विश्वविद्यालय कोनो समन्वय नइ क शूल्क बढेलाक कारण तुरुन्त फिर्ता लेबाक माग केने नेविसँघक महामन्त्री मनोजमणि आचार्य जानकारी देलनि ।





एकीकृत नेकपा माओवादीक महासचिव रामबहादुर थापा ँबादल’ सरकारक मन्त्रीसब केने गल्तीसबके नुका क प्रधानमन्त्री माधवकुमार नेपाल एकके बाद दोसर गल्ती करहल आरोप लगौलनि । भरतपुर-११ स्थित खगडी खोलामे निर्माण होबलागल पुलके शिलन्यास क

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन