Tuesday, November 23, 2010

राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी नेपालक अध्यक्ष कमल थापा पडोसी देश भारतके कारण प्रधानमन्त्रीक निर्वाचन कोनो निष्कर्षमे पहुँचय नै सकल बतौलनि अछि ।

ओ माओवादी नेतृत्वमे सरकार बनय नै देनाइमे भारतके हात रहल कहैत नेपालके अभिभावकत्व बिदेशीके हातमे रहल बतौलनि । राप्रपा पाल्पाके तानसेनमे आइ केने पत्रकार सम्मेलनमे बजैत अध्यक्ष थापा राजसँस्थाके बिकल्पमे अभिभावक नेपालमे नै भेलास भारत निर्णायकत्वके भुमिका खेल्ने आरोप लगौलनि । ओ राजा हटलाके बादके बिकल्पके सँस्थागत करय नै सक्लास आएल परिणामके कारण अखुनक नेपालक एहन अवस्था आएल बतौलनि ।

माओवादीके नेतृत्वमे प्रधानमन्त्री चयन होबय लागल अवस्थामे भारतके कारण सोलहम् बेर धरि निर्वाचन होइतो प्रधानमन्त्री चुनाय नै सकल ओ दाबा कयलनि । ओ राजसँस्थाके अलग क प्रजातान्त्रिक सुनिश्चित होबय नै सकत बतबैत बाहरी शक्तिके चलखेल रोकय आब गणतन्त्रबादी स राजाबादी अटयबला प्रजातन्त्रके आबश्यक्ता रहल सेहो बतौलनि ।

तहिना एकटा दोसर प्रसङमे ओ अध्यादेशस बजेट लाबय देलाके कारण राष्ट्रपति बिबादमे आएल बतौलनि अछि ।

……………………………।

नियमित मर्मत सम्भारके लेल मध्यमस्र्याङदी जलबिद्युत परियोजनाके बिद्युत उत्पादन आइस पुर्ण स्पमे बन्द भेल अछि ।

७० मेगावाट क्षमताके परियोजनामे जडित २ टा ट्वाइन मेस युनिट बी आइस बन्द भेल अछि । ३५ मेगावाट क्षमताके युनिट ए एक सप्ताह आगुएस बन्द अछि । युनिट एक सप्ताहक बाद आ युनिट बी २ सप्ताहक बाद मात्रे सँचालनमे आओत परियोजना जनौलक अछि ।

मध्यमस्र्याङदी जलबिद्युत परियोजना बन्द भेलाबाद देशमे लोडसेडिङ सेहो बढल अछि ।

………………………………………॥

मौसम बदली भेलाबाद देशके बिशेष ठाममे आइस ठण्डी बढल अछि । एहन अबस्था किछ दिन आओर रहय सकबाक आ कोनो कोनो ठाममे पानि सेहो परय सकबाक मौसमबिद सबहक अनुमान रहल अछि ।

भारतक तामिलनाडु सहितक दक्षिण भेगमे उत्पन्न न्युन चापीय प्रभावके कारण किछ दिन एम्हर नेपालक मौसम बदलल मौसम बिद बिद्यारत्न शाक्य जानकारी देलनि । दक्षिणी भेगमे उठल बादल नेपालधरि अएलास मौसम बदली भेलाबाद ठण्डी बढल ओ बतौलनि ।

…………………………………॥

त्रिभुवन राजपथके बारा अमलेखगँज ४ स्थित सडकखण्डमे एक ट्रक आ बस एक दोसरस ठोकराएलास एक गोटेके मृत्यु भेल अछि त ३० गोटे घाइल भेल अछि ।

मध्य क्षेत्रिय ट्रफिक प्रहरी कार्यालय पथलैया बाराक अनुसार मृत्यु होबयबलामे उदयपुर पँचबटी गाबिस ४ के ४१ बर्षक होम बहादुर आले मगर रहल अछि । घाइल मेस ५ गोटेके अबस्था चिन्ताजनक रहल अछि । घाइल सबहक इलाज बिरगँज अस्पतालमे भरहल अछि ।

बिराटनगरस काठमाण्डौ जारहल ना ४ ख ३८२२ नम्बरक यात्रुबाहक बस आ काठमाण्डौस बिरगँजदिस आबिरहल ना ४ ख १२३० नम्बरक ट्रक पथलैया आ अमलेखगँज बिचक जँगलमे ठोकराएलास ओ दुर्घटना भेल पुलिस जनौलक अछि ।

…………………………।

पुलिस बिद्यार्थीसबके दुब्र्यबहार केने बिरोधमे बिद्यार्थीसब आइ नवलपरासीके परासी बन्द करौलक अछि । बिद्यार्थीसब आइ भिन्सरेस यातायात बजार आ शिक्षण सँस्था बन्द करौने अछि । ट्रफिक पुलिस बिद्यार्थीसँग दुब्र्यबहार केने आरोप लगबैत पाल्ही बहुमुखी क्याम्पसके बिद्यार्थीसब काल्हि सेहो जिल्ला प्रहरी कार्यालय नवलपरासीके मुख्य द्धार पर २ घण्टा प्रदर्शन आ घेराउ केने छल ।

बितल शनिदिन पाल्ही बहुमुखी क्याम्पसके बिद्यार्थीसब मैलाकालीमे बनभोज क घुरबाक क्रममे कावासोती ट्रफिक पुलिस ओकरासबके चढल गाडी रोकिक दुब्र्यबहार केने बिद्यार्थीसबहक आरोप अछि ।

बिद्यार्थीसब दुब्र्यबहार करयबला ट्रफिक पुलिसके माफी माँगय परबाक माँग केने अछि । माँग पुरा नै हाएत त थप आन्दोलन करबाक ओ सब चेताबनी सेहो देलक अछि ।

मुदा एम्हर जिल्ला प्रहरी कार्यालय नवलपरासी बिद्यार्थीसबके दुब्र्यबहार नै केने जनौलक अछि । बिद्यार्थीसब बसक छतमे चढिक यात्रा करहलास सवारी साधनके किछ काल नियन्त्रणमे ल छोडने पुलिस स्पष्ट केलक अछि ।

………………………।

एकिकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्प कमल दाहाल प्रचण्ड अपनास भेल गल्ती कमजोरीके स्वीकारैत सच्याक आगु बढयके प्रतिबद्धता ब्यक्त केलनि अछि ।

ओ अन्य नेता तथा कार्यकर्तासबके सेहो जिम्मेबारी निर्वाहके क्रममे अपने केने गल्ती कमजोरी सच्याब आग्रह केलनि ।

गोर्खाके पालुटारमे आइ भिन्सर अपन प्रतिबेदन आ उपाध्यक्षद्धय मोहन बैद्य किरण आ डा। बाबुराम भटराइके जिज्ञासाके बिषयमे थप स्पष्ट करैत ओ एहन आग्रह केलनि अछि ।

अध्यक्ष प्रचण्ड बडका बलिदानीस प्राप्त गणतन्त्रके सँस्थागत करैत शान्ति आ सँबिधानके पुर्णता देबय परत बतौने छलथि । नेता कार्यकर्तासब अपनाके रुपान्तरण करैत मजबुत एकता कायम करय परत कहैत ओ क्रान्तिए पार्टीके अन्तिम लक्ष्य रहल स्पष्ट कयलनि । अध्यक्ष प्रचण्डक कहबके उद्धैत करैत प्रवक्ता शर्मा कहलनि जे रुपान्तरण एकता आ क्रान्ति अध्यक्षक निष्कर्ष अछि ।



………………………।

कँबोडियाके प्रधानमन्त्री हुन सेन राजधानी नाँमपेन मे वाटर फेस्टिबलके समयमे भेल भगदौडमे मृत्यु भेलसबहक स्मृतिमे शोक दिबसक घोषणा केलनि अछि । ओहिठाम भेल भागदौडमे कम्तीमे ३५० गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

कँबोडियाके प्रधानमन्त्री अहि घटनाके जाँचके आदेश दैत कहलनि अछि जे ७० के दशकमे खमेर रुज शासनकालके समयमे भेल पैघ हत्याके बादक इ कँबोडियाके सबस पैघ घटना अछि ।

ओ मृतक परिवारके अन्तिम सँस्कारके लेल १ हजार २ सय ५० डलर देबाक घोषणा सेहो केलनि अछि । अहि घटनामे सैकडौ ब्यक्ति घाइल सेहो भेल बताओल जारहल अछि ।

एक नदीमे बनल पुलप भागम भागके स्थिति भेलाबाद इ घटना भेल बताओल जारहल अछि ।

एक प्रत्यक्षदर्शीके अनुसार भीडमे १० गोटे बेहोश भेलाबाद भागम भाग होबय लागल छल जाहिके कारण इ घटना घटल बताओल गेल अछि ।

…………………………॥



माओबादी शान्ति प्रकृया तोडयके काजमे लागल नेपाली काँग्रेसक नेता डा। शेखर कोइराला बतौलनि अछि ।

माओबादी एक के बाद एक लगातार शान्ति सम्मुाैताके उल्लँघन कक शान्ति प्रकृयाके भाँडयके काज केने कोइरालाक आरोप छन्हि ।

प्रेस युनियन मोर आइ आयोजन केने पत्रकार सम्मेलनमे बिराटनगरमे बजैत कोइराला अनमिनके आग्रहके समेत माओवादी बेबास्ता करैत पालुङटारमे १२ सय लडाकुके सहभागिता कराक बृहत शान्ति सम्मुाैताके मजाक उडौने बतौलनि ।

लडाकुके बिदेश भ्रमण सँसद भितर बजेट लाबय नै देबय कायल गेल तोडफोड सहितक माओवादी गतिबिधिस माओवादी शान्ति प्रकृया तोडयके क्रममे रहल सँकेत भेट रहल ओ बतौलनि ।

……………………………।

सुचना तथा सँचार मन्त्री शँकर पोखरेल माओबादी भितर चलल अन्तरसँघर्ष आ बहस स रुपान्तरणमे योगदान पहुँचैबतो ओ आन्दोलन मार्फत अतिबादके रास्ता चुनत त समाप्त भ जाएत चेताबनी देलनि अछि ।

प्रेस चौतारी कास्की पोखरामे आइ आयोजना केने कार्यक्रममे सरकारक प्रवक्ता समेत रहल मन्त्री पोखरेल माओवादीके अन्तरसँघर्ष आ बहस स सही रास्ता लेत त ओकर रुपान्तरणस देशके निकास देबय सहयोग पहँुचत बतौलनि ।

शान्ति प्रकृया अखन कठिन अबस्थामे रहल कहैत मन्त्री पोखरेल अइके तार्किक निष्कर्षमे पहँचाबय सबके भुमिका आबश्यक रहल बतौलनि ।

………………………………………।

नेपाली जनसम्पर्क समिति जापान अर्थमन्त्री सहितक साँसद उपर भेल आक्रमणके बिरोध केलक अछि । समिति सँसदमे भेल आक्रमणके घोर भत्स्रना केलक अछि ।

समितिके अनुसार अर्थमन्त्री उर्जा मन्त्री सहितक सभासदके आक्रमण क बजेटके बि्रफकेश तोडयके आर्थिक गोप्यताके कागज पत्र फारयके माइक तोरयके सहितक माओवादी गतिबिधि घोर आपतिजनक आ निन्दनिय भेल ठहर केलक अछि ।

समिति आक्रमणमे सँलग्न सभासदसबके कानुनी कारबाहीके दायरामे लाबय सभामुखस माँग केलक अछि ।

…………………………………………॥

चितवनके दारेचोक स्थित कुरिनटारमे आइ भेल सवारी दुर्घटनामे एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

पोखरास काठमाण्डौ जारहल बा १ ज ८९१० नम्बरक माइक्रो बस आ काठमाण्डौस नारायणगढ दिस आबिरहल एच आर ७४११८२ नम्बरक भारतीय ट्रक एक दोसरस ठोकराक भेल दुर्घटनामे माइक्रोबसक चालक इश्वर श्रेष्ठक मृत्यु भेल चितवन पुलिस जनौलक अछि ।

ओइ दुर्घटनामे माइक्रोबसमे सबार १३ गोटे आ ट्रकमे सवार २ गोटे घाइल सेहो भेल अछि । घाइल १३ गोटेके इलाजक लेल काठमाण्डौ पठाओल गेल अछि त २ गोटेके इलाजक लेल भरतपुर मेडिकल कलेजमे पठाओल गेल अछि ।

ठक्कर देनिहार ट्रक पुलिसक नियन्त्रणमे रहल अछि त चालक फरार रहल जनाओल गेल अछि ।

…………………………………










No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन