Monday, March 14, 2011

बिहार: मुठभेड़में ६ नक्सलवादीके मृत्यु


एजेन्सी, फागुन ३० । बिहारके मोतिहारी ज़िलाके दरमाहा गाँवमें सुरक्षाकर्मीके सँग भेल मुठभेड़में ६ नक्सलवादीके मृत्यु भेल अछि ।
काल्हि साँझ ४ बजेस शुरू भेल इ भिडन्त आइ भिन्सर ४ बजेधरि चलल छल । भिडन्तक क्रममे ६ नक्सलवादीके शव बरामद भेल पुलिस जनोलक अछि । घटनास्थलस राइफल आ विस्फोटक सेहो बरामद भेल अछि। अहि भिडन्तमे बिहारक मिलिट्री पुलिस, सीआरपीएफ़ आ एसटीएफ़के जबानसब संयुक्त रूपस रातिभरि लडने छल ।
राज्य पुलिस मुख्यालयके प्रवक्ता राजवर्धन शर्मा बतौलनि जे शुरुआतमें नक्सलवादीके गाँउवलास भिड़ंत भेल छल ।
केंद्रीय गृह मंत्रालय संसदमें पेश केने रिपोर्टके अनुसार 2010 में माओवादी हिंसास संबंधित कुल एक हजार ९ सय १८ घटना भेल छल जाहिमे २६८ सुरक्षाकर्मीके मृत्यु भेल छल त ओइमे १७५ माओवादी छापामारके सेहो मृत्यु भेल छल ।
मंत्रालयके इ तथ्याङ सभ नक्सल प्रभावित राज्यके मिला कऽ अछि मुदा छत्तीसगढ़ राज्य, माओवादी आ सुरक्षाकर्मीके बीच संघर्षक केंद्रके रुपमे अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन