Tuesday, October 04, 2011

दुर्घटनामे दु गोटेके मृत्यु, ८ घाइल


१७ आसिन, काठमाडौँ । नेपालगञ्ज-कोहलपुर सडकखण्ड अन्तर्गत बाँकेके कारकाँदोमे आइ भिन्सर  सशस्त्र प्रहरीके गाडी आ निजी जिप एक आपसमे ठोकरएलासँ एक गोटेके मत्यु भेल अछि तऽ अन्य सात गोटे घाईल भेल अछि ।

दुर्घटनामे बाँके बनकटुवा-९ सम्झनाचोकके २५ वर्षक रेशम खत्रीके मृत्यु भेल अछि । नेपालगन्जसँ कोहलपुर जाऽ रहल सशस्त्र प्रहरीके बा १ झ ६९३१ नम्बरक गाडी आ कोहलपुरसँ बागेश्वरी मन्दिरके दर्शनके लेल जाऽ रह लु १ ज १५७ नम्बरक निजी जिप एक आपसमे ठोकरा कऽ दुर्घटना भेल अछि । घाईल मेसँ किछके भेरी अञ्चल अस्पताल आ किछके शिक्षण अस्पताल नेपालगञ्जमे इलाज भऽ रहल अछि ।

ओम्हर सर्लाहीके नवलपुरमे यात्रु बस टायरगाडीके ठक्कर देलासँ शासापुर-४ के सबनमलाल रायके मृत्यु भेल  पुलिस जनौलक अछि । काठमाडौँसँ कटारीदिस जाऽ रहल ना ३ ख ७०६ नम्बरक बस रायके पुर्वपश्चिम राजमार्गके नवलपुरमे ठक्कर देने छल ।

ठक्करसँ गम्भीर घाइल भेल रायके इलाजक  क्रममे मृत्यु भेल अछि । ठक्कर देनिहार बस आ चालकके नियन्त्रणमे लेल गेल जिल्ला ट्राफिक प्रहरी कार्यालय सिरहा जनौलक अछि ।

अहिना चितवनके कविलास-२ चौधकिलोमे बितल राति गाडीके ठक्करसँ एक गोटे घाईल भेल अछि । नम्बर खुजय नहि सकल गाडीके ठक्करसँ अन्दाजी २५ वर्षक सीता तामाङ घाइल भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय चितवन जनौलक अछि । घाइल तामाङके भरतपुर मेडिकल कलेजमे इलाज भऽ रहल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन