Saturday, March 19, 2011

मिथिला माध्यमिकी परिक्रमा आइ जनकपुरक अन्तरगृह परिक्रमा कऽ सम्पन्न

जनकपुर, चैत ५ । फागुन २० गतेसँ शुरू भेल १५ दिनक मिथिला माध्यमिकी परिक्रमा आइ जनकपुरक अन्तरगृह परिक्रमा कऽ सम्पन्न भेल अछि ।
फागुन कृष्ण पक्षक अमाबस्या तिथिसँ प्रारम्भ भेल ई माध्यमिकी परिक्रमा जनकपुरक हनुमान गढीमे एकत्रित भेल बिभिन्न मठ मन्दिर तथा कुटीसँ निकलल राम जानकीक डोलासभ भारत नेपालक बिभिन्न भागक परिक्रमा करैत काल्हि जनकपुरक बारह बिग्हा स्थित झुला घरमे आएल छल ।
अहि परिक्रमामे सहभागी होबय नेपाल भारतक दुर दुरसँ साधु सन्त तथा श्रद्बालु भक्तजनसभहक पैंग सँख्यामे आएल छल त ठाम ठाममे बिभिन्न क्लब सभ निशुल्क चुरा मिठाके ब्यबस्था सेहो कएने छल । वितल रातिए सँ अन्तरगृह परीक्रमामे सहभागी होयवाकलेल जनकपुरमे श्रद्धालु भक्तजनसभकेँ भीड लागल छल । १५ दिनक मिथिला माध्यमिकी परीक्रमाक बराबर अन्तरगृह परीक्रमामे पुण्य फल भेटयके बिश्वास रहलाक कारणसँ सेहो अन्तरगृह परीक्रमामे बेसी भीड रहैत अछि ।
अन्तरगृह परीक्रमा करयवला सभकेँ जनकपुरवासी रंग अविर लगावि स्वागत कएलन्हि अछि तऽ परिक्रमा घुमयवलाकेँ ठाम ठाममे पानि सभकेँ व्यवस्था सेहो कएलगेल छल ।
अहिबिच , होरिक अवसरमे मिथिला नाट्यकला परिषद आइ जनकपुरक जानकी मंदिरक प्राङणमे महामुर्ख सम्मेलनके आयोजन कएने अछि।
परिषद होरीक अवसरमे काँल्हि होरीया गीत प्रतियोगिता सम्पन्न कएने छल । एहि प्रतियोगितामे प्रथम, द्धितीय, तृतीय आ सान्तवना पुरस्कार सेहो देलगेल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन