Sunday, October 16, 2011

फैजानके हत्यामे सरकारक हात: उपेन्द्र यादव


इनरुवा, आश्विन २९ । मधेशी जनअधिकार फोरम नेपालक अध्यक्ष उपेन्द्र यादब इस्लामी संघ नेपालक महासचिव फैजान अहमदके हत्यामे सरकारेके हात रहल दाबी कलनि अछि ।

 'दिनदहाडै राजधानीके अति सुरक्षित मानलगेल स्थानमे गोली मारि कऽ अपराधी पैदले भागि जेनाइ आ गिरफ्तार होबय नहि सकनाइ सँ हत्यामे सरकारक संलग्नताके पुष्टी होइत अछि ओ बतौलनि ।

सरकार फैजानके हत्या बाद गठित छानविन समिति भंग कऽ क जाँचबुझके लेल उच्चस्तरिय आयोग गठन केलक अछि ।

किछ दिन एम्हर गृह जिल्ला सुनसरीके ग्रामिण क्षेत्रमे कार्यकर्ता भेटघाटके समयमे रहल अध्यक्ष यादब प्रधानमन्त्री बाबुराम भटराई तत्काल रक्षामन्त्री शरदसिंह भण्डारी आ भुमिसुधार मन्त्री प्रभु साहके राजिनामा दियाबऽ परत बतौलनि ।

देशके रक्षाके जिम्मा लेबयबला ब्यक्ति देशके अलग करयके अभिब्यक्ती देनाइ कोनो हालतमे देश आ मधेशक जनताके स्वीकार्य नहि हाएत यादवक चेतावनी छल । ओ माओवादी नेतृत्वके सरकारके पुलिसके दोषी पता लगा कऽ  मन्त्री साहके सेहो राजिनामा करा कऽ  प्रधानमन्त्रीके अनुसन्धानमे सहयोग करयके सुझाब देलनि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन