Saturday, March 05, 2011

राष्ट्रिय टि-ट्वान्टी क्रिकेटक उपाधि भैरहवाके

वीरगञ्ज, फागुन २१ । वीरगन्जमे आइ सम्पन्न एमजी ट्रफी राष्ट्रिय टि ट्वान्टी क्रिकेट प्रतियोगिताके उपाधि क्षेत्र नम्बर ४ भैरहवा जितलक अछि । फाइनल खेलमे घरेलु टोली क्षेत्र नम्बर दु वीरगन्जके १४ रनक अन्तरस हरबैत भैरहवा उपाधि उपर कब्जा केलक अछि ।

खेलमे टस जित कऽ व्याटिंग केने भैरहवा निर्धारित २० ओभर खेलैत ८ विकेटक क्षतिमे १ सय ११ रन बनौने छल । भैरहवाके लेल लालबहादुर अधिकारी ३७ बलमे ५२ आ कृष्ण कार्की २७ बलमे २६ रनक योगदान देने छलथि । जवाफी व्याटिंगमे उतरल वीरगन्ज १९ ओभर दु बलमे सम्पूर्ण विकेटक क्षतिमे ९७ रन मात्र बनाब सकल । वीरगञ्जक लेल कप्तान बिनोद दास सर्वाधिक ३८ रनक योगदान देलनि ।

प्रतियोगितके बिजेता भैरहवा नगद एकलाख आ ट्रफी तथा उपविजेता बीरगन्ज नगद ५० हजार पौलक अछि । गैर आवासीय नेपाली उपेन्द्र महत्तोद्वारा प्रबर्द्धित महत्तो समूहक आयोजनमे बितल फागुन १४ गतेस शुरु भेल प्रतियोगितामे राष्ट्रिय स्तरके विभिन्न ८ टा क्षेत्रीय टोलीके सहभागिता छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन