७ अगहन अमेरिका । दर्द कम करयबला दबाइ वायोक्सके गलत प्रचार केने अभियागमे अमेरीकामे दबाइ बनाबयबला कम्पनी मर्कके करीब एक अरब डलर जरीवाना देबय परल अछि ।
कम्पनी फुड ड्रग एण्ड कास्मेटिक एक्ट उल्लंघनके दोष सेहो स्विकार केने अछि । दबाइ सन् २००४ मे बजारसँ हटाओलगेल छल । दर्द कम करत कहलगेल होइतो ओ दबाइसँ धड्कन जल्दि जल्दि बढाबयके सँगे स्ट्रोकके खतरा रहल जनाओल गेल अछि । आधिकारिक रुपमे अनुमतिसँ पहिनेही इ वायोक्सके गोटीके इलाजक लेल प्रचार कएल गेल छल ।
No comments:
Post a Comment