Saturday, April 16, 2011

सद्भावना पार्टीके स्थापना दिवस मनाओलगेल


जनकपुर,  बैशाख ३ । सदभावना पार्टीक २२ हम् स्थापना दिवस आइ विभिन्न कार्यक्रमके सँग मनाओलगेल अछि ।
 २०४७ साल वैशाख २ गते स्थापना भेल सदभावना पार्टीक संस्थापक अध्यक्ष स्वर्गीय गजेन्द्रनारायण सिंहक आइ ८२ अम् जयन्ती दिवसक अवसरमे सदभावना पार्टी धनुषा जनकपुरमे आइ एक कार्यक्रमक आयोजना केलक अछि ।
 दलसभ उपर प्रतिवन्ध लागल पँचायतीकालेमे स्वर्गीय सिंह सदभावना परिषदक स्थापना कएने छलथि । २०४७ मे देशमा प्रजातन्त्र प्राप्तिबाद नेपाल सदभावना परिषदके नेपाल सद्भावना पार्टीमे परिणत कएलगेल छल ।
अपन स्थापना दिवसक अवसरमे पार्टी केन्द्रीय कार्यालय जनकपुर, काठमाडौंके बानेश्वर आ अन्य जिल्ला जिल्लामे सेहो कार्यक्रम केलक अछि । अखन सद्भावना पार्टी फुटिकऽ ३ भागमे बिभाजित भेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन