Sunday, April 17, 2011

आगिलगिमे डेढ दर्जन घर नष्ट



राजविराज, वैशाख ४ । सप्तरीके अलगे अलग गाविसमे आई भेल आगिलगिमे १६ परिवारक डेढ दर्जन घर जरिकऽ नष्ट भेल अछि । आगिलगिमे २० लाखसँ बेसीके धनमाल जरिकऽ नष्ट भेल अछि ।

कोइलाडी बर्साइन गाविस–१ निवासी उपेन्द्र रामके घरसँ सुनगल आगि पसैर कऽ कैलु राम, सतन राम, फनीलाल राम सहितक घर जरिकऽ नष्ट भेल ईलाका प्रहरी कार्यालय हनुमाननगर जनौलक अछि ।

आगिलगिसँ घरभितर रहल सम्पूर्ण सरसामान जरलासँ पाँच लाख बराबरको क्षति भेल पीडितसभ बतौलक अछि । आगिके स्थानीय बासी , पुलिस आ राजविराज नगरपालिकाके बारुण यन्त्र नियन्त्रणमे लेने छल ।

अहिना, आईए दौलतपुर गाविसमे भेल अगिलगिमे ११ परिवारके १३ टा घर जरिकऽ करिब पन्ध्र लाख बराबरके धनमाल क्षति भेल अछि ।

दौलतपुर गाविस–९ निवासी बृहस्पति सदाके घरसँ सुनगल आगि विलछन सदा, चन्दा सदा, गोढाई सदा, धर्मेन्द्र सदा, बरुण सदा, बेचु सदा, पाँचु सदा सहितक १३ टा घर जरिकऽ नष्ट भेल ईलाका प्रहरी कार्यालय कल्याणपुर जनौलक अछि । आगिके सिरहाके लहान नगरपालिकासँ गेल बारुण यन्त्र, पुलिस आ स्थानीय बासीक सहयगोमे नियन्त्रणमे लेलगेल छल ।

आगिलगिस घरभितर रहल सम्पुर्ण लत्ताकपडा, खाद्यान्न, गर गहना तथा नगद समेत जरिकऽ नष्ट भेल अग्नी पीडितसभ बतौलनि अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन