Saturday, December 03, 2011

सत्ता कब्जा कयिये कऽ छोडब: प्रचण्ड


१७ अगहन, काठमाडौं । एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष पुष्पकमल्ल दाहाल प्रचण्ड सत्ता कब्जा कयिये कऽ छोडब बतौलनि अछि । तीन छोट कम्युनिष्ट पार्टीसँग पार्टी एकता घोषणा करय आइ पार्टी कार्यालय कोटेश्वरमे  भेल कार्यक्रममे माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड माओवादी सत्ता कब्जाके रणनीति नहि छोडने बतौलनि अछि ।

ओ शान्ति आ सविधान पुरा होबय नहि देबयके षड्यन्त्र हाएत तऽ जनआन्दोलन मार्फत विद्रोह कऽ सत्ता कब्जा करयके आ सविधान बनत तऽ चुनाव मार्फत सत्ता कब्जा करब बतौलनि ।

माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड जनयुद्ध आ जनआन्दोलनसँ संविधानसभा आएल कहैत एखुनक लेल शान्ति आ नयाँ सविधान निर्माणे मुख्य प्राथमिकतामे रहल बतौलनि । अखन शान्ति आ सविधानक बिकल्प खोजयके मतलब पहारमे माथा पिटनाइ जकाँ हाएत ओ कहलनि ।

माओवादीमे फुटाबयके षड्यन्त्र भऽ रहल कहैत प्रचण्ड ओ पुरा होबय नहि देब बतौलनि । पार्टी उपाध्यक्ष मोहन बैद्य किरण आ महासचिव रामबहादुर थापा बादल शान्ति संविधान निर्माणबारे निर्णयमे एकके बाद दोसर करैत फरक मत रखैत आएल समय प्रचण्डले  पार्टी नेतृत्वके कमजोर कऽ क क्रान्ति करब कहनाइ लज्जास्पद भेल बतौलनि ।

कार्यक्रममे नेकपा माओवादीक दिलिप साह समूह, संयुक्त जनवादी मोर्चा  आ क्रान्तिकारी कम्युनिष्ट पार्टीक गुणखर बस्यौल समूह माओवादीसँग एकता केने घोषणा केने छल ।

1 comment:

facebook Page Like

  • मनोरँजन