Wednesday, July 20, 2011

अर्थ मन्त्रालय घेरयबला कर्मचारी आइ सेहो गिरफ्तार

४ साउन, काठमाडौँ । कर्मचारीके तलव वृद्धिमे पक्षपात कयलगेल कहैत अर्थ मन्त्रालय घेरय गेल निजामती कर्मचारीके पुलिस आइ सेहो नियन्त्रणमे लेलक अछि ।

पुलिस निशेषित क्षेत्रमे धर्ना देने कहैत ५० सँ बेसी कर्मचारीके नियन्त्रणमे लेलक अछि । नियन्त्रणमे लेलगेलसबके काठमाडौके प्रदर्शनीमार्गस्थित महानगरीय प्रहरी सहायता कार्यदलमे राखलगेल अछि । अर्थमन्त्री भरतमोहन अधिकारीद्वारा ३१ असारमे व्यवथापिका संसदमे प्रस्तुत बजेटमे कर्मचारीके केने तलब वद्धिमे निचला आ उपरका कर्मचारीके अलग अलग व्यवहार केने कहैत विरोधस्वरुप ओसब अर्थ मन्त्रालयमे घर्ना देलक अछि ।
अहिस आगु रबिदिन,, सोमदिन आ मंगलदिन सेहो घर्नामे बैसल कर्मचारीके पुलिस नियन्त्रणमे ल छोडैत आएल छल । सरकार बजेटमार्फत उपरका कर्मचारीके ३० प्रतिशत आ निचला तहके तलव ४३ प्रतिशतसँ वृद्धि केने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन