Sunday, July 24, 2011

बजेट बादक पहिल संसद्क बैसार आइ


८ साउन, काठमाडौँ । बितल ३१ असारमे उपप्रधान तथा अर्थमन्त्री भरतमोहन अधिकारी आर्थिक वर्ष ०६८/०६९ के अनुमानित आय तथा व्ययके विवरण प्रस्तुत केलाबाद पहिल बेर व्यवस्थापिका संसद्के बैसार आइ बैसय जा रहल अछि ।

विनियोजन विधेकयके विषयमे बिमर्श करय बेरियामे ३ बजेके लेल दशम अधिवेशन अन्तर्गतके संसद बैसार बजाओलगेल अछि । अर्थमन्त्री अधिकारी बैसारमे विनियोजन विधेयक २०६८ उपर विचार कएल जाए कहि प्रस्ताव प्रस्तुत करयके कार्यक्रम अछि । मुदा विभिन्न मन्त्रालयके बजेट पुस्तिका तयार नहि भेलास आइ ओ बिमर्श प्रभावित होयबाक सँकेत क रहल अछि । संसद सचिवालय स्रोतक अनुसार मन्त्रालयसबके बजेट पुस्तिका तयार नहि भेलासँ आइ सेहो बजेटक सैद्धान्तिक पक्षमउपर मात्र बिमर्श हाएत जनाओलगेल अछि ।

अहिबीच, प्रतिपक्षी नेपाली कांग्रेस पाँचबुँदे सहमति कार्यान्वयन नहि भेल विषयमे सभामुखके ध्यानाकर्षण कराबय आजुक संसद्क बैसार अबरुद्ध कराबाक चेतावनी देने अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन