Sunday, July 24, 2011

राजन समूहद्वारा शिक्षकउपर गोली प्रहार


८ साउन, महोतरी । तराइमे भूमिगत सशस्त्र गतिविध क रहल जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चा राजन मुक्ति मोर्चाके कार्यकर्ता महोतरीमे एक शिक्षकके गोली मारि क घाइल बनौलक अछि ।

जिल्लाके सहसौला गाविस-३ के स्थानीय जनता दलित विद्यलायके शिक्षक विजय मण्डल उपर बितलराति हुनके घरमे सुतल समय तीन गोटेके संख्यामे आएल ओ समूहक कार्यकर्ता गोली मारने अछि । दहिना जाँघमे गोली लागल मण्डलके बर्दिवास अस्पतालमे इलाज भ रहल अछि । राजन मुक्ति समूहक केन्द्रीय सदस्य भाष्कर मुक्ति अज्ञात स्थलसँ सञ्चारकर्मीके टेलिफोन क मण्डल उपर अपन कार्यकर्ता आक्रमण केने जिम्मा लेलक अछि । ओ मण्डलके बाबु एकीकृत माओवादी गाविस प्रतिनिधि रामसागर मण्डलके निशाना बनाओलगेल होइतो अन्हारके कारण गल्तिसँ हुनका गोली लागल बतौलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन