Tuesday, August 16, 2011

स्थानिय प्रशासनद्वारा बजार अनुगमन


जनकपुर साउन ३१ । गुणस्तर नापतौल कार्यालयसँ स्वीकृति नहि लऽ ढक तराजुके प्रयोग कऽरहल उपराग अएलाबाद आइ स्थानिय प्रशासनके सहयोगमे गुणस्तर तथा नाप तौल कार्यालय जनकपुर बजार अनुगमन केलक अछि ।
सहायक प्रमुख जिल्ला अधिकारी कोषहरि निरौला देने जानकारी अनुसार करिब १५ टा दोकानसबके अनगमन कएलगेल अछि । ओ गुणस्तर कार्यालयसँ स्वीकृति नहि  लऽ ढक तराजु प्रयोग करयबलाके कारावहीके लेल पत्र समेत काटलगेल जानकारी देलनि ।

अनुगमन कएलगेल दोकानसबमे मिठाई दोकान, किराना दोकान आ माछ दोकान रहल बताओलगेल अछि । गुणस्तर कार्यालयके स्वीकृति विना ढक तराजु प्रयोग करयबला दोकानबलासबके कारवाहीके लेल पत्र काटलगेल अछि ।
अहि अनुगमनमे उद्योग वाणिज्यसंघक प्रसितनिधिके नहि राखलगेल कहि उद्योगी व्यापारीसब आपति जनौलक अछि ।

जनकपुर उद्योग वाणिज्य संघक सदस्य शिवशंकर साह संघके अपन प्रतिनिधि नहि पठेनाइ गैर जिम्मेवारी रहल कहैत अध्यक्ष कार्य शैली प्रति आपति जनौलनि । ओ आबसँ एहन अनुगमन करैत काल उद्योगीसबके प्रतिनिधि सम्मलित नहि कराओल गेल त प्रतिकार करयके समेत जानकारी देलनि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन