Sunday, November 06, 2011

प्रधानसेनापति चीन भ्रमण पूरा कऽ स्वदेश फिर्ता


२० कात्तिक, काठमाडौं । प्रधानसेनापति छत्रमान सिंह गुरुङ चीन भ्रमण पूरा कऽ आइ स्वदेश घुरल छथि । चिनियाँ जनमुक्ति सेनाक प्रमुख चेन विङदेके निमन्त्रणमे १३ गते ओइदिस प्रस्थान कएने छलथि ।

भ्रमणक क्रममे नेपाली सेनाक छाउनीस्थित वीरेन्द्र अस्पतालके आधुनिक उपकरणसबसँ सुसज्जित करय ४ करोड ९० लाख चिनियाँ युआन अर्थात करिब ६० करोड २७ लाख बराबरके सैनिक सहयोग उपलव्ध कराबयके प्रोटोकलमे हस्ताक्षर भेल छल ।

प्रधानसेनापति गुरुङ चिनियाँ जनमुक्ति सेनाक उच्च अधिकारीसबसँ भेटवार्ता कएने छलथि तऽ विभिन्न गणक अवलोकन भ्रमण कएने छलथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन