Friday, August 26, 2011

मधेशी मोर्चाद्वारा सर्वोच्चके फैसला बिरुद्ध प्रदर्शन


जनकपुरधाम, भादव ९ । दौरा सुरुवालके राष्र्टिय पोशाकके रुपमे राखयके केने सर्वोच्चके निर्णयके बिरोध करैत आई सँयुक्त लोकतान्त्रिक मोर्चा काठमाण्डौमे सहित मधेशक बिभिन्न जिल्लामे निर्णयके प्रतिलिपी जरौलक अछि ।

पूर्व निर्धारित कार्यक्रम अनुसार काठमाण्डौके बबरमहलस निकलल मोर्चाक र्र्याली माइतिघर मण्डलादिस जाएके क्रममे पुलिस अबरोध पहुँचौलाबाद बबरमहल आ माइतिघर मण्डलाके बिचेमे निर्णयके प्रतिलिपि जराओल गेल तराइ मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीक उपाध्यक्ष बृषेश चन्द्र लाल जानकारी देलनि अछि ।

मोर्चाक र्र्यालीमे तमलोपाक अध्यक्ष महन्थ ठाकुर, उपाध्यक्ष बृषेश चन्द्र लाल, हृदेश त्रिपाठी, मधेशी जनाधिकार फोरम लोकतान्त्रिकके अध्यक्ष बिजय कुमार गच्छेदार, फोरम गन्तान्त्रिकके अध्यक्ष जेपी गुप्ता, सदभावनाक राजेन्द्र महतो सहितक आदिबासी, जनजाति आ थारुसबहक सेहो सहभागिता छल ।

एम्हर, स्थानिय जनकपुरक जानकी मन्दिरसँ निकलल मोर्चाक ‍र्र्याली राम मन्दिर होइत जिल्ला अदालत धनुषा आगु पहुँच सर्वोच्चक निर्णयके प्रतिलिपि जरौलक अछि ।

तमलोपाक केन्द्रिय सदस्य डा बिजय कुमार सिँह , फोरम लोकतान्त्रिकके धनुषाध्यक्ष उमाशँकर अरगरिया, सदभावनाक कार्यबाहक अध्यक्ष सँजय सिँह, फोरम जनतान्त्रिकके सुरेन्द्र मँडल सहितक ब्यक्तिसब जिल्ला अदालत पहुँच सर्वोच्चके निर्णयके प्रतिलिपि जरबैत बिरोध जनौलक अछि ।

सर्वोच्च अदालत सरकारी सभा तथा समारोहमे कर्मचारीके लेल दौरा सुरुवाल अनिवार्य केलाबाद मोर्चा एकर बिरोध करैत आएल अछि ।

दौरासुरुवाल एकटा जाति आ क्षेत्रके मात्रे प्रतिनिधित्व केलासँ   राष्ट्रिय पोशाक होबय नहि सकयके मोर्चाक कहब अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन