Friday, August 26, 2011

जापानी प्रधानमंत्रीके राजिनामा


जापान , भादव ९ । जापानके प्रधानमंत्री नाओतो कान आलोचना पऽ पूर्ण विराम लगबैत पार्टी नेताके पदसँ राजिनामा देलनि अछि ।

कानके राजिनमाके बाद सत्ताधारी डेमोक्रेटिक पार्टी आब अगिला  सोमदिन पार्टीके नयाँ नेताके लेल  चुनाव करत । ताज़ा घटनाक्रमके बाद बितल पाँच सालमें पार्टीके छठम नेता चुनल जाएत ।

भूकंप पीड़ित आ ओइसँ भेल नोक्सानमे राहत कार्यके समय सही क़दम नहीं उठौने कहैत नाओतो कानके लगातार अइ बातके लऽ आलोचना होइत आएल छल ।

जापानमें अहि साल 11 मार्चके भूकंपके बाद आएल सुनामीसँ बहुत नोक्सान पहुँचल छल ।

जूनके महीनामें कान  शपथ लेने छलथि जे जँ  संसद तीन मुख्य क़ानूनी बुँदाके पारित करैत अछि तऽ ओ राजिनामा देताह ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन