Monday, September 12, 2011

एक दर्जन माओवादी नेताके पटना उच्च न्यायालय ११ वर्ष कैदके सजाय सुनौलक


२६ भादव, काठमाण्डौँ । एकीकृत नेकपा माओवादी अपन केन्द्रीय आ क्षेत्रीय स्तरके नेता तथा सभासद समेत कऽ ११ गोटे विरुद्ध भारतीय अदालत सुनौने फैसलाप्रति अपन पार्टीके ध्यानाकर्षण भेल जनौलक अछि ।

माओवादी ओ मुद्धा फिर्ताके लेल पहल करय समेत माँग केलक अछि । आइ बैसल व्यवस्थापिका संसदके शून्य समयमे बजैत पार्टी स्थायी समिति सदस्य समेत रहल माओवादी सभासद गिरिराजमणि पोखरेल मुद्धा फिर्ताके लेल कुटनीतिक पहल करय सभामुख सुवास नेम्वाङके ध्यानाकर्षण करौलनि अछि ।

सशस्त्र द्वंद्वके समय भारतमें रहल नेपालके करीब एक दर्जन माओवादी नेताके पटना उच्च न्यायालय ११ वर्ष कैदके सजाय सुनौने छल । अइ सभ पर देशद्रोहीके मुद्धा चलाओल गेल छल । आठ साल पहिनेके अहि मुद्या पऽ सुनवाई करैत पटना उच्च न्यायालय  माओवादी नेतासभके कैद सहित जरिवानाके सजाय सेहो तोक्ने अछि ।
सजा पाबयबलामे  पूर्व मंत्री लोकेन्द्र बिष्ट तथा कुलप्रसाद केसी आ अनिल शर्मा बिरहीके ६ बर्ष कैद आ ७ लाख जरिवाना तोकल गेल अछि । अहिना पूर्व मंत्री हितबहादुर तामाङके ५ बर्ष कैद आ ५ लाख रूपैया जरिवाना, चित्रबहादुर श्रेष्ठके ५ बर्ष कैद आ ७ लाख रूपैया जरिवाना, सभासद तारा घर्तीके ५ बर्ष कैद आ ३ लाख ७५ हजार रूपैया जरिवाना, कुमार दाहालके ५ बर्ष कैद आ ५ लाख रूपैया जरिवाना, सुमन तामाङके ५ बर्ष कैद आ ६ लाख रूपैया जरिवाना, श्यामकिशोर यादव आ दिलिप महर्जनके ५ बर्ष कैद आ ५ लाख रूपैया जरिवाना तथा मिनप्रसाद चापागाईके ४ बर्ष कैद आ ५ लाख रूपैया जरिवानाके सजाय सुनाओल गेल अछि ।

सभासद् तारा के अनुसार सजाय पाबयबला इ  माओवादी नेता सभके आठ साल पहिने सशस्त्र द्वन्द्वके समय एक बैसारमे भाग लेबय लेल पटना पहुंचल समय  गिरफ्तार कएल गेल छल । २ वर्षधरि बिहारके अलग अलग जेलमें सजाय कटलाबाद अहि सभ गोटेके जमानत प रिहा कएल गेल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन