Tuesday, September 06, 2011

बिद्यार्थी हत्याविरुद्ध आन्दोलन भडकल


नेपालगन्ज, भादव २० । एक सप्ताह आगु नेपालगन्जमे भेल विद्यार्थी बिष्णुबिक्रम शाहीके हत्यामे संलग्न समूहके पुलिस गिरफ्तार करय नहि सकल बिरोधमे आइ अनेरास्ववियु बाँके, बर्दिया आ दाङ बन्द केने छल ।

उद्योग व्यापार संघ, यातायात व्यवसायी, प्याब्सन, एन प्याब्सन, शिक्षक युनियन, नेपाल शिक्षक संघ, राष्ट्रिय शिक्षक संगठनक सेहो ऐक्यबद्धतासँ बन्द शान्तिपूर्ण रहल । बन्दसँ नेपालगन्ज, कोहलपुर, खजुरा, गुलरिया, भूरीगाउँ, बाँसगढी, लमही, घोराही आ तुल्सीपुर बजार पूर्णरुपमे ठप्प रहल छल । ओ बजारसब पूर्ण रुपमे बन्द छल तऽ कलकारखाना आ लम्बा  तथा छोट दुरीके सवारी साधनसब सेहो चलय नहि सकल ।

अनेरास्ववियु चरणबद्व रुपमे आन्दोलन करितो स्थानीय प्रशासन कोनो सुनुवाई नहि केने ओकरसबहक आरोप अछि ।

प्रशासन हत्याराके गिरफ्तार क कारवाही करयके, मृतकके शहिद घोषणा आ घाईलके निशुल्क इलाजक लेल ब्यवस्था सहितक माँग रखैत विद्यार्थीसब एक सप्ताहसँ निरन्तर आन्दोलन करैत आएल अछि ।

बितल भादव १२ गते राति कारकाँदोमे अपरिचित समुह धरगर हतियार प्रहार कऽ अनेरास्ववियुके सदस्य मध्यपश्चिम बहुमुखि क्याम्पसके विद्यार्थी शाहीके हत्या केने छल तऽ दु गोटे घाइल सेहो भेल छल ।     


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन