Tuesday, September 06, 2011

४ हजार लडाकू समायोजन करयके कांग्रेसक प्रस्ताव


२० भादव, काठमाडौं । प्रमुख प्रतिपक्षी दल नेपाली कांग्रेसक शान्ति प्रक्रियासम्वन्धी सुझाव समिति ४ हजार माओवादी लडाकूके समायोजन करयके प्रस्ताव रखलक अछि ।
पार्टी कार्यालय सानेपामे आइ बैसल केन्द्रीय समितिक बैसारमे वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवाके संयोजकत्वमे रहल सुझाव समिति पेश केने शान्ति प्रक्रियासम्वन्धी १३ बुँदे प्रस्तावमे ४ हजार लडाकूके व्यत्तिगत आधारमे समायोजन करयके  उल्लेख अछि ।

माओवादी हतियार भण्डारण कएल गेल कन्टेनरके चाबी बुझाबय सकारात्मक कहलगेल सुझाव समितिके प्रस्तावमे तत्काल हतियार सरकारके बुझाबय माँग केलक अछि । अहिना वाईसीएलके अर्ध सैन्य संरचना भङ्ग करयके, द्वन्द्वकालमे कब्जा कएल गेल सम्पति फिर्ता करयके, द्वन्द्व पिडितसबके राहत देबयके प्रस्तावमे उल्लेख अछि ।

अहिना आजुक बैसारमे संसदीय दलक नेता रामचन्द्र पौडेलक संयोजकत्वमे संविधान निर्माण सुझाव समिति राज्य पुनःसंरचनाके लेल आयोगके बदला विज्ञसबहक समूह गठनक प्रस्ताव पेश केलक अछि । सुझाव समितिके प्रस्ताव उपरके बिमर्शमे केन्द्रीय सदस्यसबहक क्षेत्राधिकार सहितक विषय प्रष्ट नहि रहल कहैत असन्तुष्टि जनौने अछि । कांग्रेस अहि सँ आगु पुनःसंरचनाके लेल आयोग गठनक अडान रखैत आएल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन