Thursday, September 22, 2011

भातृ संस्था विघटन विवाद नहि बढाबय कोइरालाक आग्रह


५ आसिन, काठमाडौँ । नेपाली कांग्रेसक सभापति सुशील कोइराला भातृ संस्था विघटनके विषयके अनावश्यक रुपमे नहि बढाबय वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा पक्षसँ आग्रह कएलनि अछि ।

अपने निवास महाराजगञ्जमे आइ सञ्चारकर्मीसबसँग बात करैत सभापति कोइराला पार्टी केन्द्रीय समितिके निर्णयविरुद्ध नहि जाए देउवासँ आग्रह कएलनि अछि । कोइराला भातृ संस्था विघटनके निणर्यविरुद्ध पार्टी केन्द्रीय कार्यालय सानेपामे देउवा पक्ष जारी रखने आमरण अनशन तोड्य समेत आग्रह कएलनि अछि । भातृ संस्था विघटन नहि कऽ कार्यकाल समाप्त भेलासँ अधिवेशनके लेल नयाँ प्रक्रिया शुरु करय ओ निर्णय लेल गेल तर्क केलनि ।

देउवा पक्षक असमहतिके बावजुद केन्द्रीय समितिक बैसार मंगलके राति देउवा पक्षक बर्चस्व रहल नेपाल तरुण दल, नेपाल महिला संघ, आदिवासी जनजाति संघ आ प्रजातान्त्रिक सेनानी संघ विघटन करयके निर्णय केने छल । देउवा पक्ष ओ निर्णण फिर्ता नहि लेत तऽ गम्भीर परिणाम आबय सकयके चेतावनी संस्थापन पक्षके दैत आएल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन