Thursday, September 22, 2011

राजमार्गके होटलसबमे अनुगमन तीव्र


५ आसिन, धादिङ । खाद्य प्रविधि तथा गुण नियन्त्रण विभाग आ जिल्ला अनुमगन समिति धादिङके संयुक्त पहलमे आइ सेहो पृथ्वी राजमार्गके होटलसबमे अनुगमनके निरन्तरता दऽ रहल अछि ।

अहिसँ आगु काल्हि संयुक्त अनुगमन समिति राजमार्गके नौबिसे आ धार्के क्षेत्रमे सञ्चालित होटल तथा रेष्टुराँसबमे छापा मारि कऽ अध्ययन केने छल । अध्ययनके क्रममे होटलसब सञ्चालन अनुमति नहि लेने, यात्रुसबसँग महंग शुल्क असुलैत आबि रहल, म्याद नाँघल हल्का पेय पदार्थ तथा लेबल नहि लगाओल गेल खाद्य पदार्थ बिक्रीवितरण केने पाओल गेल टोलमे सहभागी विभागके खाद्य निरीक्षक ईश्वरी सुवेदी जानकारी देलनि ।

अनुगन टोली अखाद्य तथा लेबल नहि लागल ओहन खाद्य पदार्थसब नष्ट केलक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन