Sunday, October 23, 2011

बाबुराम पार्टी अनुशासन तोडि कऽ बिपा सम्झैता केलनिः वादल


६ कात्तिक, चितवन । एकीकृत नेकपा माओवादीक महासचिव रामबहादुर थापा वादल प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई पार्टीके आधिकारिक निर्णय विपरीत भारतसँग बिपा सम्झौतामे हस्ताक्षर कऽ क पार्टी अनुशासन तोडने आरोप लगौलनि अछि ।

चितवनके भरतपुरमे आइ उपाध्यक्ष मोहन वैद्य पक्षधर बुद्धिजिवीसबहक जमघटके सम्बोधन करैत वादल संस्थापन पक्ष अराजकताके हद नाघि कऽ पार्टीविरोधी गतिविधि कऽ रहल जिकिर कएलनि । प्रशिक्षणमे सहभागी एक कार्यकर्ताक अनुसार वादल लडाकुके चाबी प्रकरण, मधेसी मोर्चासँग भेल ४ बुँदे सहमति आ बिपा सम्झौताधरि अबैत संस्थापन पक्षक गैरजिम्मेवार आ राष्ट्रघाती चरित्र देखार भेल आरोप लगौलनि ।

पार्टी उपाध्यक्षसमेत रहल प्रधानमन्त्री भट्टराईके स्वदेश घुरिते बिपा सम्झौताबारे स्पष्टीकरण माँगल जाएत वादलके कहब छलनि । भट्टराई भारत जाएसँ पहिने बिपा सम्झौताके बात उठलाबाद पार्टी स्थायी समिति ओ सम्झैता नहि करयके स्पष्ट दिर्नेशन देने वादलक दावी अछि । स्रोतक अनुसार वादल दशैं आगु अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल पार्टीके कोनो नेताके जानकारी नहि दऽ चोरा कऽ सिलुगुढी पहुँच कऽ भारतीय गुप्तचर संस्था रअके प्रतिनिधिसँग गोप्य भेटघाट केने आरोप लगौने ओ बतौलनि । हुनका अनुसार वादल अहिना संस्थापनके एहने मनोमानी जारी रहत तऽ अपनेसब पार्टीमे रहय नहि सकब आ रहनाइके कोनो  औचित्य नहि हाएत बतौने छलथि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन