Friday, October 28, 2011

मोटरसाइकल दुर्घटनामे २ गोटेके मृत्यु


११ कातिक जनकपुरधाम । धनुषाके नक्टाझिज स्थित हजरा चौकमे आइ भिन्सर भेल मोटरसाइकल दुर्घटनामे २ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।
जनकपुर ढल्केवर सडकखण्डके   नक्टाझिज स्थित हजरा चौकमे मोटरसाइकल अनियन्त्रित भेलाबाद दुनु गोटेके मृत्यु भेल अछि ।  जनकपुरदिस आबिरहल ज ३ प ७३८७ नम्बरक मोटरसाइकल अनियन्त्रित भऽ पोलमे ठोकराकऽ  महोतरी एकडारा बेला ३ के डाक्टर भुपेन्द्र ठाकुर आ गोनरपुरा १ के इन्जिनियर अनिश साहके मृत्यु भेल अछि ।

मृतकके शवके पोष्टमार्टमके लेल जनकपुर अँचल अस्पतालमे राखल गेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन