काठमाडौं, कार्तिक ११ । माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल संविधानसभाक म्याद ६ महिना थपयके संकेत केलनि अछि । ओ अन्तिम बेर ६ महिना म्याद थपय जनता सेहो अनुमति देत दाबी कएलनि ।
नेपाल संवत् ११३२ के अवसरमे आइ राजधानीके कीर्तिपुरमे आयोजित कार्यक्रममे संविधानसभाक म्याद फेर ६ महिना थपल जाएत बतौलनि अछि । संविधानसभाक थपल तेसर बेरक म्याद आगामी अगहन १४ गते समाप्त भऽ रहल अछि ।
दाहाल एक महिनाभितर संविधानके एकीकृत मस्यौदा लाबय सम्भव नहि हाएत तऽ विवादित विषयमे सहमति खोजयके प्रयास जारी रहत बतौलनि । ओ पैघ दलक नाता सँ अपन दल शान्ति आ संविधानक लेल जिम्मेवारीपूर्ण तरिकासँ काम करत जानकारी देलनि ।
दाहाल पछिला दिनमे भेल शीर्ष बैसारसब सकारात्मक भेल चर्च करैत आब सहमतिके आशा जागल बतौलनि ।
No comments:
Post a Comment