Thursday, October 06, 2011

राष्ट्रपति, उपराष्ट्रपति, प्रधानमन्त्री आ दलक नेतासबसँ दशमीक शुभकामना


१९ आसिन, काठमाडौँ । हिन्दुसबहक पावनि दशमीक अवसरमे राष्ट्रपति डा.रामवरण यादव, उपराष्ट्रपति परमानन्द झा, प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई आ माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड सहितक विभिन्न राजनीतिक दलक शीर्ष नेतासब शुभकामना व्यक्त केलनि अछि ।

राष्ट्रपति यादव विजया दशमीक अवसरमे नवदुर्गा भवानी समयेमे शान्तिप्रक्रिया आ संविधान निर्माणकार्यके पुरा कऽ देशमे स्थायित्व प्राप्त करयके शक्ति देओ से कामना केलनि अछि ।

अहिना उपराष्ट्रपति परमानन्द झा दशमीक अवसरमे स्वदेश तथा विदेशमे रहल नेपालीसबमे एकताबद्ध भऽ कऽ आगु बढयके प्रेरणा मिलेय से कामना कएलनि अछि । शान्ति संविधान आ समृद्धि आजुक आवश्यकता रहलमे जोड दैत सहमति, सहकार्य आ एकताक आधारमे आगु बढय दलसबसँ उपराष्ट्रपति आग्रह कएलनि अछि ।

तहिना प्रधानमन्त्री डा.बाबुराम भट्टराई आपसी झै-झगडा आ द्वैस अन्त्य कऽ शान्ति, समृद्धि आ सु-स्वास्थ्यके साथे सत्य आ कर्तव्यपथमे आगु बढय सबके प्रेरणा मिलेय से कामना कएलनि अछि । डा. भट्टराई दशमीक अइ अवसरसँ दलसबके शान्ति आ संविधानक मार्गमे एके ठाममे ठार रहय सहयोग पहुँचयके विश्वास समेत व्यक्त कएलनि अछि ।

अहिना एकीकृत नेकपा माओवादीक अध्यक्ष प्रचण्ड सम्पूर्ण नेपाली जनसमुदायमे सुख, शान्ति, समृद्धि आ प्रगतिके हार्दिक मंगलमय शुभकामना व्यक्त कएलनि अछि । प्रचण्ड वर्तमान राजनीतिक संक्रमण अन्त्य करय शान्ति, संविधान आ समाजक अग्रगामी विकासक लेल आगु बढय दशै पावनिसँ सबके प्रेरणा भेटेए से कामना कएलनि अछि ।

तहिना कांग्रेसक सभापति सुशील कोइराला आ वरिष्ठ नेता शेरबहादुर देउवा अलगे अलग शुभाकामना सन्देश जारी करैत दुर्गा भवानी सब नेपालीके एकताके सुत्रमे बाँन्हि कऽ राखेय से कामना कएलनि अछि  

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन