Friday, December 30, 2011

सीरियामे सेनाके चलाओल गेल गोलीसँ ४० गोटेके मृत्यु


१५ पुष सीरिया ।  सीरियामें सरकार विरोधी कार्यकर्ताके अनुसार सुरक्षाकर्मी  करिब ४० गोटेके गोली मारि कऽ हत्या केलक अछि ।

दमिश्क़के एक उपनगर समेत अरब लीगके पर्यवेक्षक समुह  जाऽ रहल स्थानसबमे इ हत्या कएलगेल अछि । अहि बीच कार्यकर्तासब आइ पैघ संख्यामें सड़क पर विरोध प्रर्दशनके आह्वान केने अछि ।

सीरियाके लेल बनाओल गेल शांति योजना पर अमल भऽ रहल अछि या नहि । याह देखय लेल पर्यवेक्षक राजधानी दमिश्क़ आ अन्य शहरमे जाऽ रहल छल । शांति योजनामें सीरियामें हिंसाके पुर्ण रुपसँ रोकय लेल, सभ सशस्त्र पुलिसके घुरयके आ सभ बन्दीके छोड़यके बात कहल गेल छल ।
सयुंक्त राष्ट्रके कहब अछि जे सीरियामें बितल दस महीनासँ चलि रहल सरकार-विरोधी प्रर्दशनमें पांच हज़ारसँ बेसी नागरिकके मृत्यु भऽ चुकल अछि ।

मुदा अरब लीग पर्यवेक्षक समुहके ओकर नेतृत्वके लेल आलोचना भऽ रहल अछि । एमनेस्टी इंटरनेशनलके अनुसार अल-दाबी सूडानमें १९९० के दशकमें 'यातना देवयके ' 'बेपत्ता होवयके मामलाके लेल अल-दाबी ज़िम्मेबार अछि ।


No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन