Friday, December 30, 2011

'ठाणे' समुद्री तूफ़ानमें ६ गोटेके मृत्यु


१५ पुष भारत । बंगालके खाड़ीसँ चलल 'ठाणे' नामक  तुफानमे कड्डलोर आ पड़ोसी पुड्डुचेरी में ६ गोटेके मृत्यु भेल अछि । इ तूफ़ान तमिलनाडुके तटीय क्षेत्रके पार कऽ चुकल अछि ।

अधिकारीके अनुसार देवाल खसलासँ आ करेन्ट लगलासँ कड्डलोर में पाँच गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ पुड्डुचेरीमें छत खसलासँ एक गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

मौसम विभागके अनुसार १४५ किलोमीटर प्रति घंटाके तेज गतिसँ  हवा आ बर्षा भऽ सकैत अछि । मुदा इ किछुए कालके लेल आएत मौसम बिभागक दाबी अछि 

पुड्डुचेरी, कड्डलोर आ नागापट्टनममें हाई अलर्ट जारी कएल गेल अछि । ओतय तेज़ हवाके साथ साथ भारी बर्षा सेहो भऽ रहल अछि । बंगालके खाड़ीसँ शुरु भेल 'ठाणे' नामक तुफान  तमिलनाडुके कतेकौ इलाकामें पहुंच चुकल अछि ।

प्रशासन समंदरके आसपासक रहयबलासबके पहिनही  सुरक्षित स्थान पर पहुंचा देने अछि आ अहिके लेल  कड्डलोर आ नागापट्टनममें ४९ टा राहत शिविर लगाओलगेल अछि । साथमे तमिलनाडु सरकार  नागापट्टनम सँ लऽ क वेल्लोर धरि आठ टा राहत आ बचाव टिमेक पठौने अछि । अहिके अलावा नेशनल डिज़ासटर मैनेजमेंट फ़ोर्सके १५ हज़ार सँ बेसी जवानके परिचालन कएल गेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन