Saturday, December 24, 2011

आत्मघाती आक्रमण, ६ गोट सुरक्षाकर्मीके मृत्यु


९ पुष पाकिस्तान । पाकिस्तानके ख़ैबर पख़्तून ख़्वाह प्रांतमें अर्धसैनिकबल पर भेल एक आत्मघाती आक्रमणमें ६ गोट सुरक्षाकर्मीके मृत्यु भेल अछि तऽ अन्य १२ गोटे घाइल  भेल अछि ।

एक वरिष्ठ पुलिस अधिकारी अब्दुल्लाहके अनुसार बन्नू शहरसँ करीब पाँच किलोमीटरके दूरी पर वज़ीरिस्तान के मुख्य शहर मीरान शाह जाए बला सकड़ पर इ आक्रमण कएल गेल छल । ओ बतौलनि जे आइ भिन्सर एकटा  आत्मघाती हमलावर विस्फ़ोटक सँ भरल एकटा गाडीके  अर्धसैनिक बलके गाड़ी सँ ठक्कर मारने छल ।

जाहिमे अर्धसैनिकबलके ६ गोटेके मृत्यु भेल अछि तऽ अन्य १२ गोटे घाइल सेहो भेल अछि । घाइलसबके  स्थानीय अस्पतालमे इलाजक लेल पठाओलगेल अछि ।

पुलिसके अनुसार बिष्फोट एतेक जबर्दस्त छल जे आसपासक घरमे सेहो बहुत नोक़्सान पहुँचल अछि आ ओतय रहल गाड़ीसबमे सेहो क्षति पहुँचल अछि ।

अब्दुल्लाह शाह बतौलनि जे आत्मघाती हमलाके बाद किछ अज्ञात हतियारधारी फ़ायरिंग सेहो केलक मुदा ओइसँ कोनो क्षति नहि भेल अछि । बिष्फोटके बादसँ बन्नू आ आसपासक क्षेत्रमे सुरक्षा व्यवस्था कड़ा बनाओलगेल अछि ।

अहि हमलाक तहरीके तालिबान पाकिस्तान  ज़िम्मेदारी लेलक अछि । तालिबान के प्रवक्ता एहसा नुल्लाह  बीबीसीके टेलीफ़ोन कऽ इ ज़िम्मेदारी लेलक अछि ।

1 comment:

facebook Page Like

  • मनोरँजन