Thursday, August 14, 2014

सरकार १२ नेपाली एक चिहानके प्रदर्शन करबाक अनुमति देलक

दश बर्ष आगु ईराकमे घटल एकटा घटना उपर बनल फिल्म १२ नेपाली एक चिहानके सरकार प्रदर्शन करबाक अनुमति देलक अछि ।
प्रदर्शन रोकय किछ महिना आगु विरोध भेलाबाद सेन्सर बोर्डके पदाधिकारीसभ सेहो ओ फिल्मके सेन्सर नहि करयके अडान लेने छल । 
फिल्मके दुटा दृश्य उपर ब्लर करयके निर्देशन आ गार्जियन विना बच्चासभके फिल्म देखावय नहि पावयके निर्णय बोर्ड कएने फिल्मक निर्देशक प्रधान जानकारी देलन्हि अछि ।
पाँच बर्षक अध्ययन आ मेहनत लगाकऽ बनाओलगेल ओ फिल्मके सम्पूर्ण  प्रक्रिया पहुँचाकऽ मात्र सुटिङ कएलगेल निर्देशक प्रधानक दाबी छन्हि । ओ अहि फिल्मके ड्रिम  प्रोजेक्ट सेहो कहने छथि ।
२०६१ साल भादव १५ गते ईराकामे मारलगेल १२ नेपाली युवासभके सत्य कथाके फिल्म देखाओत मुदा मारलगेल युवासभके परिवारके आग्रह बमोजिम भादव १५ मे फिल्म प्रदर्शन नहि करय दुनु पक्षबीच सहमति भेल अछि ।
आवय लागल अगहन महिनामे प्रदर्शन करबाक लक्ष्य राखल गेल ओ फिल्मके आसिन महिनामे हङकङ, मकाऊ आ सिंगापुरमे सेहो प्रदर्शन करबाक तयारी भऽरहल निर्देशक जानकारी देलन्हि ।

1 comment:

  1. फिल्म नेपाली में बनल छै कि मैथिली में ?

    ReplyDelete

facebook Page Like

  • मनोरँजन