Wednesday, December 28, 2011

'सर्वोच्च मुठभेडके नौता दऽ रहल अछिः ठाकुर


काठमाडौ, पुस १३ । तराई मधेश लोकतान्त्रिक पार्टीक अध्यक्ष महन्थ ठाकुर संविधानसभाके म्याद सम्बन्धी निर्णय उपर न्यायिक पुनरावलोकनके लेल पठाओलगेल निवदेन सर्वोच्च अदालत दर्ता नहि केलासँ आपत्ति जनौलनि अछि ।

सर्वोच्च राज्यके प्रमुख अंगसबबीच मुठभेडके स्थितिके नौता देने कहैत ठाकुर सर्वोच्चके रवैयासँ संसदके सर्वोच्चता उपर प्रश्न चिन्ह लागल बतौलनि । 'जनताके सार्वभौम निकाय संसद छैक,' ठाकुर कहलनि -'संसदसँ देने निवेदन नहि सुनि कऽ दरपिठ केनाइ भिडन्तके नौता देनाइ अछि ।' ओ सेनामे मधेशी भर्ना आ राष्ट्रिय पोशाक सहितक विषयमे सेहो सर्वोच्च विभेदपूर्ण आदेश केने बतौलनि ।

पार्टीके चारिम वाषिर्कोत्सवके अवसरमे आइ केन्द्रीय कार्यालय बिजुलीबजारमे आयोजित कार्यक्रममे बजैत ठाकुर मधेशीसंग समानताके व्यवहार नहि होवयधरि संघर्ष जारी रहत बतौलनि । ओ संसद, सडक आ जनआवाज मार्फत शान्तिपूर्ण संघर्ष करैत रहब उल्लेख कएलनि ।

नेपाली कांग्रेसमे लम्बा समय रहि कऽ राजनीति केने ठाकुर मन्त्रिपदसँ राजीनामा दऽ क ०६४ पुस १३ गते तमलोपा पार्टीके घोषणा केने छलथि । वाषिर्कोत्सवके अवसरमे तमलोपा प्रत्येकवर्ष चायपान कार्यक्रमके आयोजना करैत आएल अछि ।  

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन