Tuesday, January 03, 2012

आयल निगमके आइ अढाई अर्ब देल जाएत


काठमाडौ, पुस १९ । पेट्रोलियम पदार्थ आपूर्ति सहज बनावय आयल निगमके डेढ अर्ब रुपैयाँ ऋण उपलब्ध करावयके विषयमे निगम आ कर्मचारी सञ्चय कोषबीच  सम्झौता भेल अछि ।

बितल मंगलदिन मन्त्रिपरिषद निगमके सञ्चय कोषसँ डेढ अर्ब रुपैयाँ आ नागरिक लगानी कोषसँ १ अर्ब रुपैयाँ ऋण उपलब्ध करावयके निर्णय केने छल । ओइके सातम दिन सञ्चय कोष आ निगमबीच ऋणसम्बन्धी सम्झौता भेल अछि । लगानी कोष आ निगमबीच रबिदिन ऋण सम्झौता भेल छल जाहि अनुसार, निगमके २ किस्तामे १ अर्ब रुपैयाँ देल जाएत निगमक कार्यकारी प्रबन्ध निर्देशक सुरेशकुमार अग्रवाल बतौलनि । सम्झौता अनुसार, निगम लगानी कोष आ सञ्चय कोषके साढे १२ प्रतिशत ब्याज तिरय परत ।

हाल निगमके भारतीय आयल निगमके करिब ९० करोड रुपैयाँ तिरय बाँकी अछि । लगानी कोष आ सञ्चय कोषसँ रकम प्राप्त होइते निगम आइ ओ सी  पठाओत ।

अहिबीच पेट्रोलियम पदार्थके कारोबारमे निगमके मासिक घाटा करिब २५ करोड रुपैयाँसँ बढि कऽ १ अर्ब ५० करोड ६७ लाख रुपैयाँ पहुँचल अछि । आइ ओ सी रबिदिन केने मुल्य हेरफेर अनुसार निगमक घाटा बढल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन