Tuesday, January 03, 2012

जचुकालिके रसियन राजदूतद्धारा निरिक्षण


१९ पुष जनकपुरधाम । नेपालक लेल रसियाक राजदूत डा सर्गे भी भेलिच कीन आइ जनकपुरक जनकपुर चुरोट कारखानाके निरिक्षण कएलनि अछि ।

रसिया सरकारक सहयोगमे सन १९६४ मे निर्माण कएलगेल ओ कारखाना अखन ६ महिनासँ बन्द रहल अछि।
राजदूत कारखानाके मेसिन आ कार्यालयके निरिक्षण कएने छलथि ।

कार्यक्रममे कारखानाके नायव महाप्रवन्धक रामस्वार्थ राय कारखानाके अरबौ अचल सम्पति, भौतिक पुर्वाधार, दक्षजनक्ति, स्थापित ब्रान्ड होइतो व्यवस्थापन पक्षके लापरवाहीके कारण कच्चा पदार्थ आ कच्चा पदार्थके लेल १३ करोड, मेसिन मर्मत सम्भार करय लेल २  करोड ५० लाख, सुर्तिके लेल सात करोड, नेपाली सुर्तिके लेल ७४ लाख आ अन्य सामग्री उत्पादन करावय बाँकी  एक करोड रुपैया सरकारसंग माँग कएलगेल जानकारी करौने छलथि । ओ देशमे राजनितिक अस्थीरताके कारणसँ बेर बेर सरकार तथा महाप्रवन्धक बदलैत एलासँ  कारखानाके अखनके दुर्दशा भेल जानकारी करौने छलथि ।

अहिना राजश्वके लेल तिन करोड, ०६८ अगहन धरिके तलव भत्ताके लेल  ६ करोड ५० लाख तथा अवकास प्राप्त कर्मचारीके लेल २० करोड रकम सरकारद्धारा उपलब्ध होवय सकत तऽ कारखाना संचालन हाएत रायके कथन छलनि ।

कारखाना व्यवस्थापन पक्ष अल्पकालिन रुपमे कर्मचारी संचयकोष, बिमा संस्थानके लेल एक अर्ब २४ करोड रकम उपलब्धके लेल सेहो आग्रह केने जानकारी देलनि ।

तत्काल आ अल्पकालिन कऽ  एक अर्ब ७६ कारोड ७४ लाख रकम उपलब्ध हाएत तऽ कारखाना कहियो बन्द नहि हाएत बताओलगेल अछि ।

कार्यक्रममे उद्योग मन्त्रालयके सचिव उमाकान्त झा सहितक उपस्थिति छल । राजदूतके कर्मचारीसब भव्य स्वागत केने छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन