Friday, January 06, 2012

मङ्गोल नेसनल अर्गनाइजेसनमे आबद्ध १७ गोटे गिरफ्तार


रुकुम, पुस २२ । मङ्गोल नेसनल अर्गनाइजेसनमे आबद्ध १७ गोटेके पुलिस गिरफ्तार केलक अछि ।

रुकुमके सदरमुकाम खलङ्गा बजारके एक होटलसँ बितल राति ओकरासबके गिरफ्तार कएलगेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय रुकुम जनौलक अछि ।

होटलके हलमे प्रशिक्षण कार्यक्रम कऽ रहल समय ओकरासबके गिरफ्तार कऽ अनुसन्धान शुरु कएल गेल रुकुमके प्रहरी नायब उपरीक्षक किसनसिङ थापा जानकारी देलनि । अनुसन्धान भऽ रहलासँ बिशेष जानकारी देवय नहि मिलत ओ बतौलनि ।

रुकुममे रहि कऽ सङ्गठित रूपमे आपराधिक क्रियालपाके योजना निर्माण कऽ रहल अनुमान पुलिसक अछि ।

किछ समय आगु सेहो वायह सङ्गठनमे आबद्ध रहल बतावयबला तीन गोट युवाके पुलिस गिरफ्तार कऽ छोडने छल । ओकरासबहक सँगसँ सेहो लाखौँ मूल्य बराबरके युद्ध बन्दोबस्तीके सामानसब बरामद कएलगेल छल ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन