Friday, November 04, 2011

सरकारद्वारा संविधान संशोधनके प्रक्रिया बढाबयके तयारी


१८ कात्तिक, काठमाडौँ । दलसबबीच संविधान निर्माणक क्रममे उत्पन्न राज्य पुनःसंरचनाके विषयमे रहल विवाद सोझराबय विज्ञ समूह गठन करयके सहमति भेलाबाद सरकार संविधान संशोधनके तयारी कऽ रहल अछि ।

ओइके लेल आवश्यक निर्णय लेबय आइए बेरियामे नेपाल सरकार मन्त्रिपरिषदक बैसार बजाओलगेल अछि । भावी संविधानक विवादित विषयमे सहमति जुटाबयके जिम्मेवारी पौअने संवैधानिक उपसमितिक भिन्सर बैसल बैसारसँ राज्य पुनसँरचना सम्बन्धी विवादके अन्त्यक लेल व्यवस्थापिका संसदसँ विशेषज्ञ सम्मिलत समूह बनाबयके निर्णय केने छल ।

अन्तरिम संविधान-२०६३ मे राज्य पुनःसंरचनाके विषयमे निर्णय करय राज्यपुनः संरचना आयोग गठन करयके उल्लेख अछि । सरकार आइए मन्त्रिपरिषदसँ निर्णय कऽ संविधानसँ आयोगके प्रावधान हटा कऽ विशेषज्ञ सम्मिलित टोली गठन करयके व्यवस्था करय संविधान संशोधनके लेल व्यवस्थापिका संसद् सचिवालयमे दर्ता कराबयके तयारी केने स्रोत जनौलक अछि । आइएसँ प्रक्रिया शुरु कऽ व्यवस्थापिका संसदके आगामी २५ कात्तिकमे बैसयबला बैसारसँ संविधान संशोधन करयके तयारी सरकारक अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन