Thursday, February 17, 2011

माओवादी एमालेके निर्णयके बाट तकलक

५ फागुन, काठमाडौं । प्रधानमन्त्री झलनाथ खनाल एकीकृत नेकपा माओवादीके समेटि कऽ आइ मन्त्रिपरिषद विस्तारके तयारी केलन्हि अछि।
सात बुँदे सहमतिके थप व्याख्याबाद गृह सहित महत्वपूर्ण मन्त्रालय विभाजनमे काल्हि माओवादी अध्यक्ष पुष्पकमल दाहाल ‘प्रचण्ड’आ प्रधानमन्त्री खनाल बीच सहमति भेलाबाद मन्त्रिपरिषद विस्तारके तयारी काएलगेल अछि।
मुदा ओहिसँ पहिने भोरे ११ बजे माओवादी आ दुपहर १२ बजे एमालेके स्थायी समितिक बैसारमे मन्त्रिपरिषदमे सहभागी होबएबालासभके नामावली तय काएल जाएत जनाओलगेल अछि। दुनु दलके आन्तरिक विमर्शबाद मन्त्रिपरिषद विस्तारके निषकर्ष लगाओल जाएत माओवादी स्थायी समिति सदस्य देव गुरुङ जानकारी देलन्हि अछि। ओ आइ मन्त्रिपरिषद विस्तार हाएत कि नइ एमालेमे भरपरल बतओलन्हि अछि।
मन्त्रिपरिषद विस्तार आ सात बुँदे सहमतिके लऽ कऽ पार्टी भितर सुरु भेल विवाद समाधानके विषयमे विमर्श करके लेल दुपहर एमाले स्थायी समितिके बैसार बसि रहल अछि।
प्रधानमन्त्री खनाल माओवादी अध्यक्ष प्रचण्ड बीच काल्हि ११ मन्त्रालय माओवादीके आ ८ मन्त्रालय एमाले लेबाक सहमति भेल छल।

facebook Page Like

  • मनोरँजन