Sunday, January 08, 2012

सीरियामें कम स कम २७ गोटेके मृत्यु


२४ पुष सीरिया । सीरियामें काल्हि अलग अलग स्थान पर भेल संघर्षमें कम स कम २७ गोटेके मृत्यु भेल अछि ।

विपक्षी समुह आ स्थानीय समन्वय समितीके अनुसार होम्स शहरमें  १३ गोटेके मृत्यु भेल अछि । अरब लीगके पर्यवेक्षक अहि समय एक क्षेत्रीय शांति योजनाके समीक्षाके लेल सीरियामें अछि मुदा अहु बिच हिंसामें कोनो  कमी नहि  आएल अछि ।

राजधानी दमिश्कमें शुक्रदिनके एक बम बिष्फोटमे मृत्यु भेल २६ गोटेके अन्तिम सँस्कारके लेल सरकार आयोजन केने छल । जाहिमे हज़ारों लोग सहभागी छल आ ओहिमे झडप भेल छल ।

सरकारके कहब अछि जे अहि बम बिष्फोटनके कड़ा जवाब देल जाएत मुदा विपक्षके कहब छैक जे इ बिष्फोटन सरकारे करवौने अछि ।

संयुक्त राष्ट्रके कहब अछि जे राष्ट्रपति बशर अल असद के बिरुद्ध १० महीना सँ चलिरहल विरोध प्रदर्शनमें अखनधरि ५ हजारसँ बेसीके  मृत्यु भऽ चुकल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन