चिली आ अर्जनटीनाके सीमा पर ऐंडीज़ पर्वतमालामें फैलल पर्वतके ग्लेशियर आब तेज़ीस पिघैल रहल अछि जे बितल 350 सालमे सेहो ओतेक नहि पिघलल छल ।
एबरिस्टविथ, ऐक्ज़ेटर आ स्टॉकहोम विश्वविद्यालयके शोधकर्तासभ अहि अध्ययनके लेल लम्बा समयसँ अहि पर नज़र रखने छलथि ।
ओसभ बितल ‘लघु हिमयुग’ स लऽकऽ अखनधरि चिली आ अर्जनटीनाके 270 ग्लेशियरमें भेल परिवर्तनके नक्सा तयार केलनि अछि ।
अहि अध्ययनस पता चलल अछि जे बितल 30 सालमें अहि ग्लेशियरके 10 स लऽकऽ 100 गुना परिमाण कम भऽ गेल अछि ।
इ नयाँ शोध ‘नेचर जियोसाइंस’ नामक पत्रिकामें प्रकाशित अछि ।
शोधके परिणाम देखबैत अछि जे इ ग्लेशियर औसतस बेसी पिघैल रहल अछि ।
No comments:
Post a Comment