Sunday, April 10, 2011

प्रधानसेनापति गुरुङ स्वदेश घुरलाह


२७ चैत, काठमाडौं । प्रधानसेनापति छत्रमान सिंह गुरुङ अमेरिका भ्रमण पुरा कऽ आइ स्वदेश घुरल छथि
गुरुङके त्रिभुवन अन्तर्राष्ट्रिय विमानस्थलम कायम मुकायम प्रधानसेनापति रथी तोरण जंग बहादुर सिंह स्वागत कएने छलथि अवसरम नेपाली सेनाक एक टुकडी प्रधानसेनापति समक्ष सम्मान गारत अर्पण केने छल
प्रधानसेनापति गुरुङ अमेरिकी सरकारक औपचारिक निमन्त्रणाम चैत्र १२ गतेसँ ओइदिस प्रस्थान केने छलथि । अमेरिका भ्रमणक क्रमम प्रधानसेनापति गुरुङ अमेरिकी सुरक्षा मामिला राष्ट्रसंघक उच्च अधिकारीसभसँग भेटवार्ता केने छलथि

facebook Page Like

  • मनोरँजन