Sunday, November 20, 2011

एमाले स्थायी समितिक बैसार आइ


अगहन, काठमाडौं । नेकपा एमालेक स्थायी समितिक बैसार आइ बैसय जाऽ रहल अछि अगहन ७ गते सँ सुरु होबयबला केन्द्रीय कमिटी बैसारक तयारीके लेल स्थायी समितिक बैसार बजाओलगेल अछि

केन्द्रीय कमिटीक बैसारमे प्रथम राष्ट्रिय प्रतिनिधि परिषद्क बैसारमे प्रस्तुत कएल जाएबला प्रतिवेदन, पार्टीक आन्तरिक समीक्षा, कार्यविभाजन, समसामयिक राजनीति सहितक विषयम सेहो बिमर्श हाएत बितल आसिन २६ गतेके लेल बजाओलगेल केन्द्रीय कमिटीक बैसार अगहन सँ ९ गतेधरिके लेल तय भेल अछि

एमालेक अध्यक्ष झलनाथ खनाल केन्द्रीय कमिटी राष्ट्रिय प्रतिनिधि परिषद्क बैसारमे प्रस्तुत कएल जाएबला प्रतिवेदन तयार कऽ चुकल छथि

facebook Page Like

  • मनोरँजन