Monday, April 11, 2011

कुशियार किसान फेउर आन्दोलन करत


सर्लाही, चैत २८ । सर्लाहीके कुशियार किसानसब तोकल मुल्य प्राप्त करय फेउर आन्दोलन करयके निर्णय केलक अछि ।
 आइ हरिवन गाविसमे वैसल कुशियार किसान संयुक्त संघर्ष समिती एहन निर्णय केलक अछि । लम्बा आन्दोलनके बाद कुशियारक मोल प्रति क्वीन्टल चारि सय १ कायम करय सफल भेल कुशियार किसान तोकने अनुसारक भुक्तानी नहि पौलाबाद फेउर आन्दोलन शुरु करयबला अछि । बैसारसँ नेपाल कुशियार उत्पादक महासंघक  अध्यक्ष कपिल मुनि मैनालीके अध्यक्षतामे   सात सदस्यीय संघर्ष समिति गठन केलक अछि । समितिमे मिलगेट उखु उत्पादक संघक अध्यक्ष वेद वहादुर वुढाथोकी ,नेपाल उखु उत्पादक किसान संघक अध्यक्ष राजकुमार उप्रेती, किसान हकहित संरक्षण समितिक कोकिलानन्द उप्रेती, उखु उत्पादक संघक कृष्ण बहादुर खड्का, अगुवा किसानक डिल्ली प्रसाद उप्रेती एवं कमल बुढाथोकी छथि ।
किछ समय आगु सरकार चिनी उद्योगी आ कुशियार किसानक प्रतिनिधीबीच भेल वार्तामे सरकार चिनीमे उद्योगीसभबे ७० प्रतिशत भ्याट छुट करयके शर्तमे प्रतिक्वीन्टल कुशियारक मोल ४०१ रुपैयाँ देबयके सहमती होइतो कार्यान्वयन होबय नहि सकल अछि 

facebook Page Like

  • मनोरँजन