Saturday, July 23, 2011

एम्बुलेन्स दुर्घटनामे ४ घाइल


उदयपुर, श्रावण ७ - सिरहाक लहान बजारसँ बेमारी लेबए जाऽ रहल एकटा एम्बुलेन्स आई भोरे उदयपुरके भलायडाडाँ -३ अंधेरी नदीमे दुर्घटना भेलासँ ४ गोटे घाहिल भेल अछि।

नेपाल रेडक्रस सोसाईटी लाहान शाखाके बा ५ प ७८७० नम्बरक एम्बुलेन्स दुर्घटना भेलासँ एम्बुलेन्समे सबार ४ गोटे घाहिल भेल पुलिस जनओलक अछि। घाहिल मध्ये लहानके ३२ बर्षिय निर्मला दहाल आ चालक हरीनारायण यादबके अबस्था गम्भिर अछि। दहालके दहिना पायर टुटिगेल आ चालक यादबके शरीरमे चोट लागल जनाओलगेल अछि। अन्य दु गोटेके नाम खुजए नई सकल अछि।

घाहिल दहालके ईलाजकलेल काठमाण्डौ पठाओलगेल अछि तऽ चालक यादबके लहान नर्सिङहोममे ईलाज भऽ रहल अछि।

facebook Page Like

  • मनोरँजन