Monday, November 28, 2011

सर्लाहीमे हातहतियारसहित सशस्त्र समूहक दु गोटे सार्वजनिक


रुपबहादुर विश्वकर्मा

१२ अगहन सर्लाही । सर्लाहीमे आइ सशस्त्र समूहक दु गोटेके हातहतियार सहित पुलिस सार्वजनिक केलक अछि ।

मलंगवा स्थित जिल्ला प्रहरी कार्यालयमे पत्रकार सम्मेलन कऽ जनतान्त्रिक तराई मुक्ति मोर्चा ज्वालासिंह समूहक शुरेश कहायबला चन्दन यादव आ उपेन्द्र बैठाके पुलिस आइ सार्वजनिक केलक अछि । बितल ९ गते गिरफ्तार भेल सर्लाहीके सिसौट गाविस वाड नं. ७ के चन्दनके सँगसँ  बरामद दु थान नलकटुवा पेस्तोल आ ४ राउण्ड गोली सेहो पत्रकार सम्मेलनमे सार्वजनिक कएल गेल छल । ओकरा सहयोग केने  आरोपमे सिसौटके वाड नं. ४ के बैठाके पुलिस आइ गिरफ्तार केलक अछि ।

अभियुक्त चन्दन उपर किछ समय आगु अपहरण बाद हत्या कएलगेल शंकरपुरक विजय रायके हत्या तथा रामवनके झगरु बैठाके सांघातिक आक्रमण कऽ गम्भिर घाईल बनौने सहितक विभिन्न अपहरण, चन्दा असुली जेहन दर्जनौं आरोप रहल प्रहरी उपरिक्षक मोहनराज जोशी जानकारी देलनि ।

अहिबीच आइए पुलिस गढैयासँ एक शंकास्पद व्यक्तिके गिरफ्तार केलक अछि । गढैया वाड नं. १ के रामस्नेही यादवके गिरफ्तार कएलगेल पुलिस जनौलक अछि ।

facebook Page Like

  • मनोरँजन