Monday, November 15, 2010

सँबिधान सभा भँग होबय परबाक माँग रखैत राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टी नेपाल आइ बेरियामे काठमाण्डौमे बिरोध सभा करहल अछि ।

बेरियाके १ बजेस ४ बजेधरि नयाँ बानेश्वर स्थित सँबिधानसभा भवन आगु धर्ना सहित बिरोध सभा करय लागल जनाओल गेल अछि ।

बेरियाके ३ बजे सँबिधानसभा भवन आगु धर्ना देबयके आ ओहिके बाद नयाँ बानेश्वर चौकमे खबरदारी तथा बिरोध सभा करबाक राप्रपा बिज्ञप्ति मार्फत जनौने अछि ।

तोकल समयमे सँबिधान बनाबय नै सकलास सँबिधान सभा भँग करय परबाक राप्रपा माँग केने अछि ।

………………………………॥

पुर्व पश्चिम राजमार्ग अन्तर्गत नवलपरासीके सुनवलमे आइ भिन्सर २ टा बस ठोकराएलास एक महिलाके मृत्यु भेल अछि त एक गोटे गँभीर रुपस घाइल भेल अछि ।

पुर्वस पश्चिम दिस जारहल ना ३ ख ५६०२ नम्रक यात्रुबाहक बसके पाछुस आबिरहल ना ३ ख ७३३६ नम्बरक बस रमवापुरमे ठक्कर देलाबाद ठक्कर देबयबला पछिल्का बसमे सवार बर्दियाके महेशपुर ७ निवासी ३० बर्षक सरस्वती घर्ती मगरके मृत्यु भेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय नवलपरासी जनौलक अछि ।

दुर्घटनामे पििर गँभीर घाइल होबयबला बाँकेके नेपालगँज निवासी २२ बर्षक रोशन क्षेत्री आ एक गोट सामान्य घाइल भेलके इलाजक लेल लुम्बिनि अँचल अस्पताल बुटबलमे इलाज भरहल पुलिस जनौलक अछि ।

…………………………………।

रक्षामन्त्री बिद्या भण्डारी माओबादी लडाकुके शिबिर शँकाके घेरामे रहलास आबस सरकार कडा निगरानी करत बतौलीह अछि ।

सिँहदरबार स्थित अपने कार्यकक्षमे सँचारकर्मीसबसँग बातचित करैत ओ सरकारक पहँुच नै भेलास शिबिर भितरके गतिबिधि बुमुय मुश्किल भेलास आबस निगरानी करब बतौलीह अछि ।

नेपाली माओबादी भारतीय माओबादीके तालिम देने आ लस्कर ए तोएबासँग सम्बन्ध रखने भारतक दााबाके बिषयमे रक्षामन्त्री एहन प्रतिकृया देलीह अछि ।

शिबिरमे लडाकु बाहेकके माओबादी कार्यकर्ता तथा ब्यक्तिके तालिम दैत आबिरहल आम हडतालक समयमे बहुतो लडाकुसब शिबिर बाहर आएल सुचना अपनासँग रहल बतौलीह अछि ।

……………………………………

माओबादीके छठम बिस्तारित बैसारमे अध्यक्ष पुष्प कमल दाहाल नयाँ राजनितिक दस्ताबेज पेश करयके या नै करयके बारेमे पार्टीमे बिबाद उत्पन्न भेल अछि ।

दाहाल नयाँ दस्ताबेज लिखरहल समय उपाध्यक्ष मोहन बैद्य किरण आ बाबुराम भटराइ पक्ष पहिलेके दस्ताबेजमे परामर्श होबय परबाक दबाब देने छथि । किछ दिन आगु बैसल केन्द्रिय पदाधिकारी बैसारमे अहि बिषयमे परामर्श होइतो कोनो निर्णय नै भेल श्रोत जनौलक अछि । एम्हर दाहाल अध्यक्षके हैसियतस नयाँ दस्ताबेज पेश करबाक तयारीमे अछि ।

………………………………॥

धरान स्थित आपगाछी घुम्ती बितल साँमु भेडेटारस धरानदिस जारहल एक यात्रुबाहक बस दुर्घटना भेलास २ महिलाके मृत्यु भेल अछि ।

सुनसरी आ धनकुटाके बिचमे परयबला भेडेटारमे बनभोज खा क घुरिरहल को १ ख २०६० नम्बरक बस दुर्घटना भेलास २ गोट महिलाके मृत्यु भेल अछि ।

बसमे चढल आओर ४० गोटे यात्रु घाइल सेहो भेल अछि । दुर्घटनामे परि मृत्यु होबयबलामे मोरङ मृगौलिया ८ निबासी ५० बर्षक पदममाया बस्नेत आ मृगौलिया ५ निबासी १६ बर्षक शर्मिला चौलागाइके मृत्यु भेल इलाका प्रहरी कार्यालय धरानक प्रहरी निरिक्षक केशब भटराइ जानकारी देलनि अछि ।

घाइलसबहक धरानस्थित बिपि कोइराला स्वास्थ्य बिज्ञान प्रतिष्ठानमे इलाज भरहल अछि । घाइल मेस २ गोटेके अबस्था चिन्ताजनक रहल बताओल गेल अछि ।

………………………॥




No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन