Sunday, November 14, 2010

एकिकृत नेकपा माओवादीक उपाध्यक्ष नारायणकाजी श्रेष्ठ प्रकाश बिस्तारित बैसारस तिनो प्रतिबेदन समेट क एकेटा नयाँ प्रतिबेदन पेश करबाक तयारी भरहल बतौलनि अछि ।

बिस्तारित बैसार होबयबला स्थल गोर्खाके पालुङटारस्थित कृष्णसेन स्मृति सँचार केन्द्रमे आइ भिन्सर आयोजित पत्रकार सम्मेलनमे प्रकाश इ बात बतौलनि अछि । अगहन ५ गतेस गोर्खाके पालुङटारमे शुरु होबयबला बिस्तारित बैसारमे अध्यक्ष पुष्प कमल दाहाल प्रचण्ड उपाध्यक्ष मोहन बैद्य किरण आ बाबुराम भटराइके अलग अलग प्रतिबेदन उपर परामर्श होयबाक चर्च चलिरहलास ओ तिनो प्रतिबेदनके मिलाक सँयुक्त प्रतिबेदन पेश करबाक तयारी भरहल जानकारी देलनि ।

……………………………………॥

भारतके पिलिभित कृषि शाखा नेपालीसबके सिमाबर्ती बजारस गहुमके बिया आयात करय नै देबय सिमा सुरक्षा बल एस एसबीके निर्देशन देलक अछि ।

शाखाके निर्देशनसँगे एसएसबी सिमा क्षेत्रस बिया लाबय नेपालीके रोक लागौलक अछि । ३ दिन आगु शाखा भारतमे गहुमके अभाब रहल कहैत भारतिय सिमा सुरक्षा बलके पत्र पठाक नेपालीसबके गहुम लजाएस रोकय निर्देशन देलक अछि ।

नेपालमे गहुमक बिया उपलब्ध होबय नै सकलाबाद नेपाली कृषकसब भारतस ठण्डा समयमे खेतीके लेल बिया लबैत आबिरहल छल ।

………………………॥

गैर कानुनी रुपस भारत जारहल ३ गोटे नेपाली युबतीके नेपाल भारत सिमा क्षेत्रस उद्धार कायल गेल अछि ।

नेपालगन्ज होइत रिक्सामे चढिक भारत जारहल समयमे काठमाण्डौ हातीबनके १५ बर्षक करिश्मा तामाङ दार्जिलिङके १८ बर्षक पि्रतिका तामाङ आ वायह ठामक साङमु तामाङके बाँकेके जमुनाहा भन्सार नाकास पुलिस उद्धार केलक अछि ।

ओकरासबके जाँचबुमुके लेल माइती नेपाल जिम्मा लगाओल गेल पुलिस जनौलक अछि । ओकरा सबके भारतदिस बेचय ल जारहल पुलिसक शँकाके आधारमे नियन्त्रणमे ल माइती नेपालक जिम्मा लगाओल गेल पुलिस जनौलक अछि ।

………………………………

बाराके सिँहासिनी गाबिसमे बाबु माय दुनु गोटे मिल क अपन २ टा बेटीके आइ भिन्सर हत्या केलक अछि ।

सिँहासिनी गाबिस १ बैरियाके खुसी चौधरी आ बिन्दु चौधरी अपन ११ बर्षक बेटी रमिया आ ८ बर्षक बेटी कृतिके कुरहरिस काटिक हत्या केलक अछि । बिन्दु सौतेला माय रहल बताओल जारहल अछि । हत्या केनिहार दुनु गोटेके पुलिस अपन नियन्त्रणमे लेने जिल्ला प्रहरी कार्यालय बारा जनौलक अछि ।

………………………………।

ब्यबस्थापिका सँसदमे आइ तय भेल १७ हम् बेरक प्रधानमन्त्रीक चुनाब स्थगित होयबाक सँभावना बढल अछि ।

सर्वोच्च अदालत निरर्थक चुनाब नै कराबय सभामुख सुबास नेम्वाङके ध्यानाकर्षण करौलाबाद १७ हम् बेरक चुनाब स्थगित करबाक तयारी कायल गेल अछि । बेरियामे बैसयबला कार्यब्यबस्था परामर्श समितिके बैसारस निर्वाचन स्थगित सम्बन्धमे निर्णय हाएत सँसद सचिवालय श्रोत दाबा केलक अछि ।

सर्बेच्चके फैसलाके बिषयमे परामर्श करय सभामुख नेम्वाङ बेरियाके १ बजे अपने कार्यकक्षमे एकिकृत माओवादी नेपाली काँग्रेस नेकपा एमाले आ ४ मधेशबादी दलक सँसदिय दलक नेता मुख्य सचेतक आ सचेतकसबहक अनौपचारिक बैसार बजौलनि अछि ।

…………………………………

नेपालक ३ दिना भ्रमणमे आएल साउदी अरबके राजकुमार अल वालिद बिन तलाल आइ भुटान जारहल छथि ।

बिश्वके १९ हम् स्थानमे रहल घनी ब्यक्ति तलालके आइए भुटान भ्रमण क काठमाण्डु घुरबाक कार्यक्रम रहल अछि । नेपालमे हुनकासँग नेपाली मन्त्रीसब लगानी बैदेशिक रोजगाारक अबसर आ सुरक्षाक बिषयमे परामर्श करताह बताओल गेल अछि । राजकुमार तलाल काल्हि ३६ गोटेके टोलीसँग निजी बिमानस नेपाल आएल छथि ।

निजी भ्रमणके लेल नेपाल आएल राजकुमार तलालके काल्हि राष्ट्रपति रामबरण यादब प्रधानमन्त्री माधव कुमार नेपाल सहितक मन्त्रीसबसँ भेटबाक कार्यक्रम रहल अछि ।

……………………………॥

माओबादीक बिस्तारित बैसार लक्चियाइत जारहल समयमे माओबादी भारतके प्रमुख शत्रु बनाएब कि नै बिषयमे पार्टीमे आन्तिरिक परामर्श शुरु केने अछि ।

अध्यक्ष पुष्प कमल दाहाल आ उपाध्यक्ष मोहन बैद्य किरण भारतके प्रमुख शत्रु मानिक आगु बढयके मान्यतामे छथि त दोसर उपाध्यक्ष बाबुराम भटराइ तत्काले ओइ पक्षमे जाएके पक्षमे नै देखल गेल छथि । भारत भारतीय माओबादीके नेपाली माओबादी तालिम देने बातक आरोप लगौलाबाद माओबादीसब भारतक बिषयमे एहन निर्णय करय लागल बताओल गेल अछि ।

गोरखाके पालुङटारमे अगहन ५ गते होबयबला बिस्तारित बैसारस माओबादी भारतके देखयके दृष्टिकोणक बिषयमे आधिकारिक निति तय करत । बिदेश बिभाग प्रमुख कृष्ण बहादुर महराक अनुसार भारतिय पक्षस निरन्तर षडयन्त्र होइत आबि रहलास बैसारमे भारतके मुख्य बिरोधी मानबाक सँभावना बेसी रहल जनाओल गेल अछि ।

…………………………………।

आइ १४ नोभेम्बर अर्थात बिश्व मधुमेह दिवस बिश्वभरि बिभिन्न कार्यक्रमक आयोजन क मनाओल जारहल अछि ।

मधुमेह रोगक नियन्त्रण आ बचाबटके लेल अन्तर्राष्ट्रिय मधुमेह महासँघ सन् १९९१ स प्रत्येक बर्ष नोभेम्बर १४ के दिन मधुमेह दिबसके रुपमे मनाबय लागल अछि । मधुमेह दिबस बिश्वके १५५ देशमे मनाओल जाति अछि । खुनमे आबशयकस बेसी चिनीके मात्रा रहल अबस्थाके मधुमेह कहल जाति अछि ।

बिशवभरि करिब २८ करोड ब्यक्ति अहि रोगस प्रभाबित रहल अछि त ३४ करोड ४० लाख ब्यक्तिमे मधुमेह होबय सकबाक खतरा रहल मधुमेह सँघक प्रतिबेदनमे उल्लेख अछि ।

…………………………………

एकिकृत नेकपा माओवादीक पोलिटब्युरो सदस्य एबँ जनमुक्ति सेना नेपालक डेपुटी कमाण्डर जनाद्र्धन शर्मा प्रभाकर जनसेना बिघटन अपनासबके स्विकार्य नै हाएत बतौलनि अछि ।

क्रान्तिकारी पत्रकार सँघ आइ बाग्लु्रङमे आयोजना केने पत्रकार भेटघाट कार्यक्रममे ओ २ सय ४० बर्ष पुरान राजतन्त्रके फेकय महत्वपुर्ण भुमिका निर्वाह केने जनसेनाके रक्षा करय परत तर्क देलनि ।

बिस्तृत शान्ति सम्मुाैतामे सेना समायोजन बारे स्पष्ट उल्लेख भ गेलास वायह सम्मुाैता अनुसार जनसेनाके समायोजन होबय परत तर्क रखैत प्रभाकर छाती नापिक सेना समायोजन होबय नै सकत ठोकुवा केलनि ।

…………………।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन