Tuesday, November 16, 2010

३ दिना नेपाल भ्रमण पुरा क साउदी अरबके राजकुमार अल वालिद बिन तलाल आइ स्वदेश घुरिरहल छथि । ओ बेरियाके १ बजे निजी बिमानस स्वदेश घुरय लागल छथि ।

बिश्वके १९ सम् धनी राजकुमार तलाल निजी भ्रमणके सिलसिलामे ३७ सदस्यीय टोलीके साथ बितल शनिके राति नेपाल आएल रहथि । साउदी अरब बिकाश निर्माणमे पहँुचौने योगदानक कदर करैत राजकुमार तलालके सरकार महाउज्जवल राष्ट्रदिप मानपदबीस सम्मान केलक अछि । गणतन्त्र घोषणाके बाद इ सबस पैघ सम्मान अछि ।

नेपाल रहयके क्रममे ओ राष्ट्रपति प्रधानमन्त्री आ किछ मन्त्रीसबस भेट क नेपालमे हवाइ आ पर्यटनके क्षेत्रमे लगानी करयके इच्छा देखौने छलथि ।

………………………………

पुलिसक दमनके बिरोधमे बाराके शिक्षकसब जिल्लाके सम्पुर्ण सरकारी बिद्यालयसबमे आइ पठन पाठन बन्द केलक अछि ।

सुरक्षाक माँग करैत काल्हि जिल्ला प्रशासन कार्यालय घेरय गेल शिक्षकसब उपर पुलिस लाठी चार्ज केने बिरोधमे शिक्षक युनियन बारा जिल्लाके सम्पुर्ण सरकारी प्राबि निमाबि माबि आ उच्च माबिमे पठन पाठन ठप्प केने अछि ।युनियनके बन्दके जिल्लामे कृयाशिल बिभिन्न राजनितिक दल सम्बद्ध शिक्षक सँघ सँगठनसब समर्थन जनौलक अछि ।

काल्हि पुलिस केने लाठी चार्जस शिक्षक ब्रम्हदेब पण्डित सहित एक दर्जनस बेसी शिक्षकसब घाइल भेल छल ।

………………………………

आर्थिक बर्ष २०६७-६८ के बजेटबारे सुमुाब देबय गठित मुख्य ३ दलक पुर्व अर्थमन्त्रीसबहक टोली सरकार हालमे केने तयारीमे सहमति जनौलाक बाद बजेट आबयके सँभावना बढल अछि ।

नयाँ निति तथा कार्यक्रम नै लाबयके सहमति भेलास सरकार तयारी केने बजेटमे सहमति जनाओल गेल काँग्रेस नेता डा। राम शरण महत जानकारी देलनि अछि ।

बजेटमे सुमुाब देबय मुख्य ३ दलक कौल्हका बैसारस माओबादीक डा। बाबुराम भटराइ काँग्रेसक डा। रामशरण महत आ एमालेक भरत मोहन अधिकारी सम्मिलित कार्यदल गठन केने छल । सरकारके आर्थिक बर्ष २०६७-६८ के बजेट याह अगहन ३ गते बयबस्थापिका सँसदमे पेश करय दिन मुख्य ३ दल सहमति जनौलक अछि ।

………………………………

बर्दियाके सानोश्रीमे नेपाली काँग्रेस बर्दिया क्षेत्र नंं। ३ के कोषाध्यक्ष दलबहादुर गुरुङके हत्या भेल अछि ।

मध्य रातिमे मोटरसाइकलस अपन घर जारहल गुरुङके स्थानिय गुँरास माबि लग मोटरसाइकल पर चढिक आएल ताराताल गाबिस ५ के २० बर्षक धिरज चौधरी आ १७ बर्षक बिजय बिक दबिया प्रहार क हत्या केलक अछि । ओकरा दुनु गोटेके प्रहरी निरिक्षक बासुदेब खतिवडा नेतृत्वक टोली भारतक बिछास गिरफ्तार केलक अछि ।

दबिया प्रहारस गँभीर घाइल भेल गुरुके बाँकेके नेपालगँज मेडिकल कलेज शिक्षण अस्पतालमे इलाजक क्रममे मृत्यु भेल अछि । गुरुङ सँगे मोटरसाइकल पर पाछामे बैसल मेवालाल गौतम सामान्य घाइल भेल अछि ।

……………………………………।

भारतिय सेना प्रमुख बिजय कुमार सिँह ३ दिना भ्रमणके सिलसिलामे पुषके पहिल सप्ताह नेपाल आबिरहल छथि ।

प्रधानमन्त्री छत्रमानसिँह गुरुङके निमन्त्रणामे ओ पुष ५ गतेस ८ गतेधरि औपचारिक भ्रमणके लेल काठमाण्डौ आबिरहल छथि ।

भारतिय सेना प्रमुखके राष्ट्रपति राम बरण यादब द्धारा मानार्थ महारथी पदस सम्मान करबाक कार्यक्रम रहल अछि । नेपाल आ भारतक सेना प्रमुखसबके एक दोसर देशमे मानार्थ महारथी पदबी देबाक परम्परा अछि ।

नेपाल रहयके क्रममे ओ प्रधानमन्त्री रक्षामन्त्री प्रधान सेनापति सहितक द्धिपक्षिय हितके बिषयमे परामर्श करबाक कार्यक्रम सेहो रहल सेनाक मुख्यालय जनौलक अछि ।

………………………………।

ब्यबस्थापिका सँसद सँसदिय सुनुवाइ बिशेष समिति न्यायपरिषदस सर्वोच्च अदालतके स्थायी न्यायधिशमे प्रस्ताब केने ३ न्यायधिशके आइ सुनुवाइ भरहल अछि ।

बेरियाक १ बजे सिँहदरबारमे बैसय लागल बैसारमे सर्वोच्च् अदालतके अस्थायी न्यायधिशसब अबधेश कुमार यादब गिरिश चन्द्र लाल आ सुशिला कार्कीके सुनुवाइ होबय लागल अछि ।

समिति स्थायी पदमे प्रस्ताबित न्यायधिशसबके बारेमे सार्वजनिक रुपमे शिकायत केने अनुसार न्याधिश गिरिश चन्द्र लालके स्व बिबेकिय अधिकारके दुरुपयोग क चोरी शिकारी आ गैँडा तस्करसबके सजायस मुक्ति क देबय जका फैसला केने उजुरी परल अछि । न्यायधिश लालबिरुद्ध निबेदक स्वयँ उपस्थित भ उजुरी दर्ता केने आ उजुरीमे प्रस्ताबित न्यायधिश केने फैसलाके प्रतिलिपी समेत सँलग्न केने सँसदिय सुनुवाइ समिति जनौलक अछि ।

दोसर न्यायधिश सुशिला कार्की उपर कार्यक्षमताके अभाव रहल राजनितिक दलक कार्यकर्ता भेल आ न्यायमे बिचलित होइत आएल उजुरी परल अछि । इ उजुरी इमेल मार्फत प्राप्त भेल सँसदिय सुनुवाइ समिति जनौलक अछि ।

तेसर न्यायधिश अबधेश कुमार यादब उपर कोनो उजुरी परल नै अछि ।

……………………………………॥



भारतक राजधानी दिल्लीके लक्ष्मीनगर स्थित ललिता पार्कमे बितलराति ३ तल्ला घर खसलास ५६ गोटेके मृत्यु भेल अछि त ६ दर्जनस बेसी घाइल भेल अछि ।

बितल राति करिब ८ बजे दिस ३ तल्ला घर खसलास ओहिमे पिचायल मृतक तथा घाइलसबके बाहर निकालबाक क्रम अखनो जारी अछि । अखन धरि ओहिमेस ५६ गोटेके शब बरामद भेल अछि त मृतकके सँख्या आरो बढय सकबाक अनुमान कायल गेल अछि ।

घाइलसबके अस्पताल पठाओल गेल अछि त ओहिठाम २० स बेसी एम्बुलेन्स लगातार घाइलसबके अस्पताल पहँचाबयके काज जारी रखने अछि ।

इ घटना ओइ समयमे भेल छल जखन बिशेष गोटे अपन अपन खाना बनाबय लेल भन्साघरमे छल । अबैध तथा गुणस्तरहिन निमार्णाक कारण घर खसल बिभिन्न भारतिय सँचारमाध्यम सब दाबा कयलक अछि ।

…………………………

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन