Tuesday, February 15, 2011

लुटेरासँग गिरफतार भेल अखिल नेतासँग स्पष्टिकरण माँग

३ फागुन, काठमाडौं । अपराधिक कृयाकलापमे संलग्न रहल आशंकामे एमालेके विद्यार्थी संगठन अनेरास्ववियु कोषाध्यक्ष दीपक गौतमसँग लिखित स्पष्टिकरण मँगलक अछि ।
पाँच वर्ष आगु कमलादीस्थित बैंक अफ काठमाडौंमे भेल डकैतीमे संलग्न काभ्रे मंगलटारके टासी लामासँग साँठगाँठ भेल सामाचार सार्बजनिक भेलाबाद गौतमसँग लिखित स्पष्टिकरण माँगलगेल अछि ।
डकैतीमे संलग्न विभिन्न व्यक्तिसबसँग संलग्न भेल नै भेल बिषयमे छानबिन करय अनेरास्ववियु तीन सदस्यीय समिति समेत बनौने अछि । समितिमे उपाध्यक्षत्रय लक्ष्मण लम्साल, भीम राई आ नवराज पौडेल रहल अछि ।
कोषाध्यक्ष गौतम अपन गृहजिल्लाके पुरान साथीके नातास लामा अपनाके भेटय बजौने मुदा आपराधिक कृयाकलापमे संलग्न नै रहल दावी करैत आबिरहल छथि ।
अनेरास्ववियुके उपाध्यक्ष नविना लामा अपराधके संरक्षण नै देब आ दोषी पुष्टि हाएत त कारबाही कएल जाएत बतौलनि अछि ।
अहिबीच संगठनके विधान संसोधनबारे बिमर्श करय आई भिन्सर ११ बजे उपलब्ध सचिबालयके पदाधिकारीके बैसार बैसय लागल अछि । महासंघीय ढाँचामे जाएके निर्णय केलास अनेरास्ववियु विधान संसोधन क संरचना परिवर्तन करय लागल अछि ।
विधान संसोधनके बाद आवश्यक कार्य विभाजन कएल जाएत सचिब रचना खड्का जानकारी देलनि ।
संस्थापन आ ओली पक्षक विवादस अनेरास्ववियुके कामकारबाही प्रभावित भेलाबाद संगठनके विवाद मिलाबयके जिम्मा एमाले महासचिब ईश्वर पोख्रेल आ विद्यार्थी इन्चार्ज गोकर्ण विष्टके जिम्मा देलगेल अछि ।
विभिन्न बाहनामे दु पक्षबीच बेर बेर झडप होइत एलाबाद विवाद समाधान करय महासचिब पोख्रेलके देलगेल अछि । याह विवादस स्वतन्त्र विद्यार्थी युनियनके निर्बाचन समेत प्रभावित भ सकलास ओहिस आगुए विवाद समाधानक प्रयास कएलगेल अछि ।

No comments:

Post a Comment

facebook Page Like

  • मनोरँजन